12 “लोकसब तोरासबसे जेहन बेबहार करे कैहके चाहैचिही त, तुहुसब ओइसबसे तहिना बेबहार कर, कथिलेत मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके सिक्छाके मुल बात एह्या चियै।
“मोसाके देल्हा बेबस्था आ अगमबक्तासबके बात रद करैले हम एलचियौ से नै समझ। हम उ रद करैले नै महज पुरा करैले एलचियौ।
औरो लोकसे तुसब जे कराबैले चाहैचिही, तुहुसब ओकरो ओहिनङ कर।
हमर कहैके उदेस्य त यि चियै कि बिस्बासीसब एक दोसरके परेम करे, जे परेम सुध हिरदय, असल बिबेक आ साँचोके बिस्बाससे मातरे आबैछै।
यदि तुसब “आपन परोसियासबके आपने जखा परेम कर” कैहके पबितर धरमसास्तरमे लिखल परमेस्वरके राजकिय नियमके पालन करैचिही त तोरौरके असले करैचिही।