34 काइलके खातिर चिन्ता नै कर, कथिलेत काइलके दिन आपन फिकिर आपने करतै। आइके दुख आइके लेल बहौत छै।”
हमरासबके आइके भोजन दिय।
“अहै खातिर हम तोरासबके कहैचियौ, ‘आपन परानके लेल कथी खेबै आ कथी पिबै’ आपन देहके खातिर ‘कथी पिन्हबै’ कैहके फिकिर नै कर।” कि खाइ-पियैसे परान आ बस्तरसे देह बेसी मोलके नै हैछै?
तोरासबमेसे के एहेन छै जे चिन्ता कैरके आपन औरदामे एकोरति थपे सकैछै?
महज येसु ओकरा कहल्कै, “ए मारथा, तोहे बहुत बातसबसे चिन्ता करैचिही आ उदास रहैचिही।
हमरासबके दिन-दिनके खाना सबदिन दिय,
“जब उसब तोरासबके पकैरके सभाघरसब, सासकसब आ अधिकारीसबके सामने लाबतौ, तब तुसब कनङ आ कथी जबाब देबही, या कथी कहे परतै से चिन्ता नै कर।
तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “अहै खातिर आपन परानके लेल कथी खेबै, देहके लेल कथी पिन्हबै कैहके चिन्ता नै कर।
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
“हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्ती हेबे। सन्सारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सन्सारके जितलेने चियै।”
उसब ओइठाम परभुके बिस्बासीसबके हिम्मत बरहाइत ओइसबके बिस्बासमे अस्थिर रहैले हौसला दैत रहलै आ कहैत रहलै, “परमेस्वरके राजमे पुगैसे पैहने अपनासबके बहौत दुख सहे परत।”
कोनो बातके चिन्ता नै कर, महज खाचो परल चिजके लेल परमेस्वरमे परथना कर आ ओकर करल सब असल चिजके लेल धन्यबाद दहै।
तोरासबके सब चिन्ता-फिकिर ओकरमे राइख दहै कथिलेत उ तोरासबके देखभाल करैछौ।