18 तोहर उपास लोकसबके खातिर नै, महज गुप्तमे रहैबला तोहर पिता देखे आ सब चिज देखैबला परमेस्वर तोरा इनाम देतौ।
तोहर दान गुप्तमे हेबे आ सब चिज देखैबला परमेस्वर तोरा इनाम देतौ।
महज जब तुसब परथना करैचिही त, आपन भितरी कोठलीमे जो आ केबार लग्याके आपन पिता जकरा कोइ नै देखेसकैछै तकरसे परथना कर। जे गुप्तमे करल काम देखैछै ओह्या पिता तोरा इनाम देतौ।
परमेस्वर हरेक लोकके ओकर करल करम अनुसारके फल देतै।
कथिलेकी जे आपन तारिफ आपनेसे करैछै, उ कोनो महत्वके बात नै चियै, महज जकर तारिफ परभु करैछै उ बहौत मुल्यबानके ठानल जाइछै।
ओहैसे हमसब चाहे देहमे या चाहे देहसे अलग रैहके, ओकरा खुसी बनाबैके हमरासबके लक्छ चियै।
नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।
परभुके आदरके खातिर अधिकारीसबके अधिनमे रह, चाहे सबसे उपरमे रहैबला रजा हेबे,