“महज आपन सतरुसबके परेम कर आ ओकरासबके भलाइ कर तब कोइ फिरता करतौ तै आसमे पैंचा नै दहै। तैसे तोरासबके इनाम बरका हेतौ तब तुसब महान परमेस्वरके बेटाबेटी कहाइबिही। कथिलेत उ बेगुनिया आ स्वारथी लोकसबके परेम करैछै।
एक समयमे हम्हु परमेस्वरके निन्दा करैबला आ ओकरमे बिस्बास करैबलासबके सताइबला आ दुरछिया करैबला लोक छेलियै। महज परमेस्वर हमरा दया करल्कै कथिलेकी उ कामसब हम अन्जानमे करलियै आ ओइ बखत हम परभुके नै चिन्है छेलियै।
महज स्वरगसे आबैबला बुइध त सबसे पहिने असल हैछै, तकरबाद उ सान्ती दैबला, नम्र, बिचारसिल आ दयासे भरल रहैछै आ असल कामसे परकट हैछै। अइमे पक्छपात करैबला बात आ छलकपट करैबला बात नै रहैछै।
पहिने त तुसब परमेस्वरके जन नै छेल्ही, महज अखुन परमेस्वरके जन भेलचिही। पहिने तुसब परमेस्वरके दया नै पाबनेछेल्ही, महज अखुन तुसब परमेस्वरके दया पाबनेचिही।