5 धैनके चियै नरम स्वभाब भेल्हालसब, कथिलेत उसब पिरथिबीमे अधिकार करतै।
हमर जुवा आपन उपर उठा आ हमरसे सिख, कथिलेत हम दयालु आ नरम हिरदयके चियौ, तब तोरासबके आत्माके बिसराम मिल्तौ।
“सियोनमे रहैबला लोकसबके कैहदहै, ‘देख, आब तोरासबके रजा तोरेसबके लग आइबरहल छौ, उ कोमल हिरदयके छै, उ गदहामे, गदहाके बच्चामे चहैरके आइबरहल छै।’”
अबराहम बेबस्था पालन करलाके कारनसे नै महज परमेस्वरमे करल बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलाके चल्ते परमेस्वर ओकरा आ ओकर बेटा-बेटीसबके सन्सारके हकबला बनाबैके परतिग्या करल्कै।
नमरता, आपनेके अधिनमे राखनाइ चियै। तकर बिरोधमे कोनो बेबस्था नै छै।
सबदिन नर्म, सोझ आ धिरजी भ्याके एक-दोसरके परेम कर।
तुसब परमेस्वरके छानल पिरिय पबितर लोकसब चिही। अहै कारन मया, दया, नरमता, कोमलता आ सहनसिलताके धारन कर।
महज तु परमेस्वरके जन भेलाके कारन यि बातसबसे दुरे रहिहे। तु परमेस्वरके निक लागैबला धारमिक जिबन जिहे आ बिस्बास योग्य, परेम, धिरज आ नमरतामे आपन मन लगा।
उ आपन बिरोधीसबके लरम भ्याके सुधारैबला हैकेचाही। भ्यासकैछै परमेस्वर बिरोधीसबके मन बदैल देतै आ उसब सतके चिन्हे सक्तै।
उसब ककरो बदनाम नै करे, लराइ-झगरा नै करे महज सब लोकसबसङे मिलजुइल असल बेबहार करे।
अहै खातिर सब एहेन अधलाह आचरन आ नै निक बानी बेबहारसे अलग हो। नम्र भ्याके तोरौरके हिरदयमे राखल परमेस्वरके बचनके आपन बना कथिलेत ओहैसे तोरौरके उदार कैरसकैछौ।
तोरासबमेसे बुधिमान आ बुझहैबला लोक के छै? उ आपन असल चालचलनसे बुइधके नमरतासे निक काम कैरके देखाबे।
बरु खिरिस्टके परभु माइनके आपन हिरदयमे सरदा कर। तोरासबमे भेल आसाके बिसयमे कोइ पुछताछ करैछौ त जबाफ दैले हर समय तयार रह।
बरु तोरासबके भितरी हिरदयके नरम आ सान्त आत्माके नास नै हैबला मोतिसे सजा, जे परमेस्वरके नजरमे बहौत मोलके चियै।