40 यदी कोनो लोक मुदा-मुकदमा कैरके तोहर कुरता लैले दाबी करैछौ त, ओकरा तु आपन ओरहैयो बला द्यादहै।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, दुस्ट लोकके कुछो नै कर। कोइ तोहर देहना गालमे थपराइतौ त, ओकर सामने दोसरो गाल थैप दहै।
यदी कोइ तोरा एक कोस जबरजस्ती जाइले कहैछौ त, ओकरसङे दुइ कोस चैलके जो।
कोइ तोहर एकटा गालमे थपराइछौ त दोसरो गाल रोइकदहै। कोइ तोहर धोती आ कुरता लेजाइ बलाके पगरियो दया दहै।
एक दोसरके बिरोधमे झगरा करनाइ तोरासबके हार चियौ। बरु अनियाइ कथिले नै सहबै? कथिले नै आपने ठगल जेबै?
यदि कोनो लोकके मङनी भेल छौ आ उ लोक आपन मङनी भेल छौरीके निक बेबहार नै करल लागैछै आ उ छौरीके उमेर बितेलागलछै त उसब बियाह करे। अइमे कोनो पाप नै लागैछै।