4 धैनके चियै सोक करैबलासब, कथिलेत ओइसबके सान्ती मिल्तै।
महज अबराहम ओकरा कहल्कै, ‘बेटा याद कर त, तु आपन जिन्गीमे सबचिज असले-असलसे भोग बिलास करलिही महज लाजरस दुखे-दुख काटल्कै। आब उ अते सुखमे छै आ तु दुखमे चिही।
धैन तोरासबके, अखन भुख लागलसब कथिलेत तुसब अघाइबिही! धैन तुसब, अखन कानैबलासब कथिलेत तुसब हाँसविही!
धिक्कार, अखन तुहे अगहेल्हासब कथिलेत तोरासबके भुखले रहेपरतौ! अखन हाँसैबलासब, तोरासबके दुख हेतौ आ काने परतौ!
उ पछासे आइबके येसुके टाङ लग ठार भ्याके काने लाग्लै आ आपन लोरसे टाङके भिजाबे लाग्लै। उ आपन केससे टाङ पोइछके चुम्मा लेल्कै आ अतर घोसे लाग्लै।
महज येसु जनिजाइतके कहल्कै, “तोहर बिस्बाससे तोरा बचाइनेछौ, सान्तीसाथ जो।”
उ लोक धैनके चियै, जे आपत-बिपतमे अस्थिर रहैछै, कथिलेकी जाँचके सामना करलाके बाद उ जिबनके मुकुट पाबतै, जे परमेस्वरके परेम करैबलासबके परमेस्वर दैले परतिग्या करने छै।
परमेस्वर ओकरासबके आँखके पुरे लोर पोइछदेतै। ओते मिरतु, सोक, बिलाप आ दुख नै हेतै। कथिलेत पुरन्का सब बात बित गेलछै।”