14 “तुसब सन्सारके इजोत चिही। पहारमे रहल सहर घोसरैले नै सकैछै।
जाबेतक इजोत तोरासबसङे छौ, इजोतमे बिस्बास कर तब तुसब इजोतके बेटा-बेटी हेब्ही।” यि बात कहलाकेबाद येसु ओतेसे चैलगेलै आ ओइसबसे घोसैरके रहेलाग्लै।
युहन्ना त बरैबला आ चम्कैबला चिरखा छेलै आ कुछ समयतलिक ओइके इजोतमे आनन्द मनाइले राजी भेल्ही।
तब येसु फेनो लोकसबके कहल्कै, “सन्सारके इजोत हम्ही चियौ। हमर पछा चलैबला अन्हारमे कहियो नै चल्तै, महज उ जिबनके इजोत पाबतै।”
जाबेतक हम सन्सारमे चियौ, ताबेतक हम सन्सारके इजोत चियौ।”
येसुमे बिस्बास नै करैबलासबसङे एकसाथ एकेटा जुवामे नै जोता। कथिलेकी धरमी आ अधरमी कनङके मिल्तै? इजोत आ अन्हार एक ठाम कनङके रहे सक्तै?
अहिनङ तुसब पापी आ दुस्ट पुस्ताके बिचमे दाग नै भेल परमेस्वरके बेटा-बेटी जखा निरदोस आ सुध हेब्ही। जनङ तरासब अकासमे चमचम चम्कैछै, तहिनङे तुहुसब यि सन्सारमे ओइसबके बिचमे चम्कैले परतौ।
कथिलेकी तुसब इजोत आ दिनके धियापुता चिही। हमसब रातके आ अन्हारके धियापुता नै चियै।
हमर दहिना हाथमे तोहर देखल यि सात तरासब आ सोनाके डैठके रहस यि चियै, सात तरासब सात मन्डलीके देख-भाल करैबला स्वरगदुतसब आ सातटा डैठ सातटा मन्डलीसब चियै।”
अहैलेल तु कतहेक गिरल चिही, से याद कर। पस्चाताप कर आ पहिनेके करल जखा परेम कर। यदि तुसब पस्चाताप नै करबिही त, हम आइबके तोरासबके डैठ उ जगहसे हटादेबौ।