“महज आपन सतरुसबके परेम कर आ ओकरासबके भलाइ कर तब कोइ फिरता करतौ तै आसमे पैंचा नै दहै। तैसे तोरासबके इनाम बरका हेतौ तब तुसब महान परमेस्वरके बेटाबेटी कहाइबिही। कथिलेत उ बेगुनिया आ स्वारथी लोकसबके परेम करैछै।
उहे यहुदी लोकसब अगमबक्ताके आ उहेसब परभु येसु सेहो मुवेल्कै आ हमरोसबके सताइबला उहेसब चियै। उसब परमेस्वरके मन नै परैबला काम करैछै आ सारा लोकसबसे बिरोधी हैछै।