11 “धैनके चिही तुसब, जब लोकसब हमर खातिर तोरासबके अपमान करतौ, सताइतौ आ झुठ बाइज-बाइजके तोरासबके बिरोधमे सब तरहके अधलाह बात कहतौ।
हमर खातिर रजा आ सासकसबके अगामे तोरासबके ठार करतौ। तुसब ओकरासबके आ गैर-यहुदीसबके अगा हमर बारेमे गबाही देबही।
हमर खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही। महज जे अन्तिम दिनतक स्थिर रहतै, उ उदार पाबतै।
तै खातिर चेला आपन गुरु जखा आ नोकर आपन मालिक जखा भेनाइ बहुत चियै। यदी उसब घरेके मालिकके बालजिबुल कहैछै त ओकर खानदानके औरो कि-कि नै कहतै!
जे आपन जिबन बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै महज जे हमर खातिर आपन जिबन गुमाइतै, उ बचाइतै।
जे कोइ हमर खातिर आपन घरदुवार, भाइ-बहिन, माँ-बाबु, बेटा-बेटी आ जगहा-जमिन छोरैछै, उ सय गुना पाबतै आ अनन्त जिबनके हकदार हेतै।
“तब लोकसब तोरासबके पकैरके दुख दैकेलेल लजेतौ, तोरासबके मारतौ। तुसब हमरा बिस्बास करैके कारन सब जातीसब तोरासबके दुस्तौ।
ओइ रस्ताहैत जाइबला आपन मुरी हिला-हिलाके ओकर अपमान करल्कै
तब हमर नामके खातिर तुसब लोकसबसे घिरनित हेब्ही आ जे अन्ततक स्थिर रहतै उ उदार पाबतै।”
“आपन बारेमे तुसब होसियार रह! कथिलेत उसब तोरासबके अड्डा खनामे लजेतौ, यहुदी सभाघरसबमे लज्याके पिटतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके सासकसब आ रजासबके अगामे हमर गबाही दैले खरा हेब्ही।
महज ओइसबके आपन सिक्छाके सिर नै लागलसे उ बहौत देर नै टिकैछै। महज बचनमे बिस्बास करैके कारन जब दुख आ सताबट आबैछै, तब तुरन्ते उसब छोरदैछै।
कथिलेत जे आपन परान बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै, महज जे हमर लेल आपन परान गुमाइछै, उ आपन परान बचाइतै।
“महज यि सबबातसब हैसे पहिने, लोकसब तोरा पकरतौ, सताइतौ, सभाघरमे लज्याके जिमा लग्यादेतौ आ पकैरके जहलमे द्यादेतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके रजा आ सासकसबके अगामे ठडा करतौ।
हमरा बिस्बास करलाके कारन सब लोकसब तोरासबके घिरना करतौ।
“धैन तुसब, मानबके बेटाके खातिर तोरासबके घिरना करतौ, समाजसे बहिस्कार करतौ, निन्दा करतौ आ बदनाम करतौ त तुसब धैनके हेब्ही।
कथिलेत जे आपन जिबन बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै। महज जे हमर खातिर आपन जिबन गुमाइछै, उ आपन जिबन बचाइतै।
हमर नाममे बिस्बास करलाके खातिर उसब तोरासबके यि सब सताइबला काम करतौ, कथिलेत उसब हमरा पठाइबला पिताके नै चिन्हैछै।
यि बात सुइनके उसब ओकरा गाइर परहैत कहल्कै, “तुही ओकर चेला चिही, हमसब त मोसाके चेला चियै।
कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “अहाँके लेल त हमसब हरेक दिन मरैचियै। हमसब काटैके लेल तयार करल भेंरासब जखा चियै।”
हमसब खिरिस्टके सेबक भेलासे लोकसबके नजरमे मुरुख भेलचियै, महज तुसब त खिरिस्टके लेल बुधिमान चिही। हमसब कमजोर चियै, महज तुसब बौकार चिही। लोकसब त तोरासबके आदर करैछौ महज हमरासबके अनादर करैछै।
अपनासबके यि मरैबला देहमे येसुके जिबन देखा परे कैहके हमसब जिबित रहितो ओकरलेल सबदिन मिरतुके मुहमे परैत रहैचियै।
कथिलेकी खिरिस्टके लेल तोरासबके यि देलगेलछौ, कि तुसब ओकरमे बिस्बास मातरे कैरके नै महज ओकर खातिर दुख सेहो भोगैले परतौ।
जब लोकसब ओकरा अपमान करल्कै, तब उ कोनो जबाफ नै उल्टाइल्कै। दुख भोगैबखत ककरो धम्की नै देल्कै, महज ठिकसङे नियाय करैबला परमेस्वरमे भरोसा करल्कै।
खिरिस्टके पछा चलैके कारन तोरासबके अपमान करैछौ त, तुसब धन्यके चिही, कथिलेकी परमेस्वरके महिमीत आत्मा तोरासबमे रहैछौ।
हमरा थाहछै, तुसब धिरज कैरके सहन करनेचिही आ हमर नाउके खातिर कस्ट पाबियोके हमरा नै त्यागने चिही।