24 अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
तब लोकसब एकटा भुत आत्मा लागल आन्हर आ बौक लोकके येसु लग आनल्कै। येसु ओकरा निक करल्कै तब उ लोक बोले आ देखे लाग्लै।
ओइ बखत गालिल परदेसके सासक हेरोद येसुके करल असल कामसबके चरचा सुनल्कै।
ओहै इलाकाके एकटा कनानी जनी आइबके चिच्याइत कहेलाग्लै, “हे परभु, दाउद राजके बेटा, हमर उपर दया करु। हमर बेटीके भुत एकदम सत्यारहल छै।”
“परभु, हमर बेटा उपर दया करु, कथिलेत मिरगी रोगके कारन उ एकदमे दुख काइट रहल छै। उ कहियो आइग आ कहियो पानीमे खैसपरैछै।
तब येसु भुत आत्माके डाटल्कै आ भुत आत्मा ओकरसे निकैलेके गेलै। तब तखुन्ते उ छौरा निक भेलै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
जब येसु तालके ओइपार गदरिनीसबके देसमे पहुचलै, तब भुत आत्मा लागल दुइटा लोक मरघटासे बाहर निकलैत खिना ओकरा भेटलै। उ दुनु लोक अतहेक डरलागैबला छेलै कि कोइ नै ओइ रस्तासे आबै-जाइले सकैछेलै।
तब सुगर चरबाहासब भाग्लै आ यि सब बात सहरमे ज्याके सुन्या देल्कै। उ दुइ भुत लागल लोकसबके कथी भेलै सेहो सुन्यादेल्कै।
“हे परभु, हमर नोकरके लकबा मारलाके कारन बिछौनामे परलछै आ बहुत दुख काइट रहल छै।”
तब यि बात चारु इलाका दिसना फैलगेलै।
येसु सब सहर-सहर आ गाम-गाम घुमे लाग्लै। उ यहुदीसबके सभाघरसबमे सिक्छा दैत, परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइत आ लोकसबके हरेक किसिमके रोग-बिमारसे निक करैत गेलै।
तब येसुके चरचा चारुदिसन गालिलके इलाकामे फैलगेलै।
रौद डुब्लाके बाद साँझमे बहुत किसिमके रोगी-बिमारीसब आ भुत लागल लोकसबके येसु लग आनल्कै।
ओह्या बखत चारटा लोक एक गोरे लकबा मारल लोकके लके ओकरलग एलै।
लोकसबके भिरके कारन ओकरलग जाइले कतौसे रस्ता नै भेटलाके बाद उसब छाइन्हमे चहैरके रस्ता बनाइल्कै तब बिमारीके ओकर झोल्ङा सहित निचा झाइरके येसुके अगामे राखल्कै।
ओइ लकबा मारल लोकके ‘तोहर पाप छमा भेलछौ’ कैहके कहनाइ कि ‘आपन बिछौना उठाके चल’ कहनाइ कोन उचित हेतै?
नाम दरता करे परतै से हुकुम पहिन्का बेर छेलै। ओइ बखत कुरेनियस सिरिया इलाकाके बडा-हाकिम रहै।
येसु पबितर आत्माके सक्ती पाइबके गालिलमे घुइमके गेलै। से बात चारु दिसरके लोकसबके थाह भेलै।
यहुदी सभाघरसे निकैलके येसु सिमोनके घरमे गेलै। तै बखत ओकर सौसके बहुत जोरसे जर बोखार लागल छेलै। तकर घरके लोकसब, “अकरा निक कैरदिय” कैहके येसुके आगरह करल्कै।
तै दिनसे येसुके चरचा औरो चारुदिसन हेबे लाग्लै तब बहुतसे बहुत लोकसबके भिर येसुके बात सुनैले, आपन-आपन रोग-बिमारसे निक हैले आवेलाग्लै।
महज दुनियामे मानबके बेटाके पाप छमा करैके अधिकार छै से तुसब जान।” तब येसु लकबा मारल लोकके कहल्कै, “तु उठके आपन झोल्ङा उठा आ बोइकके घर जो।”
यि घटनाके खबर सारा यहुदिया आ आसपासके इलाकामे फैलगेलै।
महज औरो बाज्लै, “भुत लागल लोक अनङ नै बोलैछै। कि भुत लागल लोक आन्हरके देखे सकैबला बनाइले सक्तै?”
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
उ चारु गोराके हाथे एहे चिठी पठाइल्कै: एन्टिओखिया, सिरिया आ किलिकियामे रहैबला, परभुमे बिस्बास करैबला औरो जातके साथीसङिसब, यि चिठी दुवारा हमरासबके परेरितसब आ धरमगुरुसबसे अभिबादन छै।
उसब सिरिया आ किलिकिया परदेसमे घुइम-घुइमके ओतेका बिस्बासीसबके बिस्बासमे मजगुत बनाइत गेलै।
यि घटना देखके टपुके औरो रोगी बिमारीसब आबे लाग्लै आ उसब निक भेलै।
कथिलेत ओते बहौत लोकसब मेसे भुत-आत्मासब चिच्या-चिच्याके निक्ले लाग्लै आ बहौत लकबा मारल बिमारसब आ नेङरसब निक भेलै।