23 येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
अन्हरासब देखैछै, नेङरासब चलैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब सुध हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जिजाइछै आ दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
तकरबाद येसु ओतेसे निकैलके यहुदीसबके सभाघरमे गेलै।
जे लोक परमेस्वरके राजके बचन सुइनके नै बुझैछै, उ लोक रस्ताकातमे परल बिचहन जखा चियै। तब सैतान आइबके ओकर हिरदयमे भेल्हा बचन छिनके ल्याजाइछै।
उ आपन गाम नासरतमे आइबके ओतेका सभाघरमे लोकसबके सिक्छा देबे लाग्लै। लोकसब ओकर बात सुइनके आस्चरज मानल्कै आ कहल्कै, “अकरा एहेन बुइध आ अजगुतके काम करैबला सक्ती कतेसे एलै?
येसु जब नाहसे उतरलै तब लोकसबके बरका भिरके देखल्कै। भिरके देखैत मातर ओइलोकसब उपर दया लाइगगेलै आ ओइसबके बिचमे रहल रोगी-बिमारीसबके निक कैरदेल्कै।
परमेस्वरके राजके यि सुसमाचार परचार सन्सार भैर करलजेतै, ताकि सब जातीके लोकसब सुनैके मौका पाबे, तकरबादे यि सन्सारके अन्त हेतै।
“आपन पापके खातिर पस्चाताप कर, कथिलेत स्वरगके राज लग आइब गेल्छौ।
येसु सब सहर-सहर आ गाम-गाम घुमे लाग्लै। उ यहुदीसबके सभाघरसबमे सिक्छा दैत, परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइत आ लोकसबके हरेक किसिमके रोग-बिमारसे निक करैत गेलै।
जब युहन्ना जहलमे परलै तब येसु गालिल इलाकामे गेलै आ परमेस्वरके सुसमाचार परचार करल्कै।
तब उसब कफरनहुम सहरमे गेलै। पबितर बिसराम दिनमे येसु यहुदी सभाघरमे ज्याके सिक्छा दैले लाग्लै।
तब येसु पुरे गालिल इलाकामे घुम्लै आ सभाघरसबमे सिक्छा दैत आ लोकसबसे भुतसब निकालैत गेलै।
उ बहुतोके निक करलाके कारन बिमार भेल सबलोक छुबी कैहके ठेलम-ठेल करै।
बिसरामके दिन येसु सभाघरमे सिक्छा देबे लाग्लै। येसुके सिक्छा सुनैबला बहौत लोकसब छक्क परैत कहल्कै, “यि लोक यि सब बातसब कतेसे सिखल्कै? अकरा कतेसे एहेन बुइध एलै? कनङके यि एहेन अचम-अचमके कामसब करे सकैछै?
ओइसबमे कन्हिकरो बिस्बास नै देखके येसु छक्के परलै। तब उ गाम-गाममे सिक्छा दैत गेलै।
ओइ ठामके रोगी बिमारीसबके निक कर आ ओकरासबके कही ‘परमेस्वरके राज तोरासबके नजदिक आइबगेल छौ।’
एकचोटी पबितर बिसराम दिनमे येसु एकटा यहुदी सभाघरमे सिक्छा दैछेलै।
“बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके बातसबके परचार करल्कै। तहै बखतसे परमेस्वरके राजके सुसमाचार परचार भ्यारहलछै, तब सबलोक परमेस्वरके राज भितर बलपुरबक परबेस करैछै।
एक दिन मन्दिरमे येसु लोकसबके सिक्छा दैत सुसमाचार सुनाइतरहै, तहै बखत मुल पुजारीसब, धरमगुरुसब आ अगुवासब ओकरलग एलै,
येसु पबितर आत्माके सक्ती पाइबके गालिलमे घुइमके गेलै। से बात चारु दिसरके लोकसबके थाह भेलै।
एक दिन येसु लोकसबके सिक्छा दैत रहै तै जगह गालिल आ यहुदियाके सब गाम, यरुसलेमसे ऐल्हा फरिसीसब आ यहुदी सास्तरीसब लगमे बैठल छेलै। बिमारीसबके निक करैबला परभु परमेस्वरके सक्ती येसुके साथमे छेलै।
येसु परेरितसबसङे पहारसे निचा झैरके सैर जगहमे आइबगेलै ओइठाम औरो चेलासबके बहुत बरका भिर लागल छेलै। यहुदिया इलाकाके सब दिसरसे यरुसलेमसे तब समुन्दर कातके टुरोस आ सिदोन इलाकाके लोकसब बहुत भिरके साथ जम्मा भेल छेलै।
येसु फेनो पबितर बिसरामके दिन यहुदी सभाघरमे ज्याके परचार करैछेलै। ओते एक गोरेके दहिना हाथ सुखल छेलै।
तहै बखत येसु बहुत लोकसबके बहुत परकारके रोगबिमार आ भुतसब निकालल्कै आ बहौतरा अन्हरासबके दिरिस्टी देल्कै।
तब येसु युहन्नाके चेलासबके कहल्कै, “जो, तुसब जे जे देखलिही आ सुनलिही, ज्याके युहन्नाके कैह दैहिए- अन्हरासब देखैछै, नेङरासब लरैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब निक हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जि जाइछै, दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
तकरबाद येसु परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइले सहर-सहर आ गाम-गाममे गेलै। ओकरसङे बारह गोरे चेलासब छेलै।
महज यि बात सुइनके बहुत लोकसब ओकर पछा लाग्लै। उ ओकरासबके स्वागत करल्कै आ परमेस्वरके राजके बारेमे सुनाइल्कै, तब जकरा-जकरा बिमारसे निक हैके आवस्यकता रहै ओकरासबके निक करल्कै।
येसु ओकरा कहल्कै, “मुरदासबके आपनेसे मुरदा गारैले दहै, महज तोहे ज्याके परमेस्वरके राजके बारेमे परचार कर।”
तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “हम त सबकोइ सुने कैहके खुलमखुला कहनेचियौ। हम हरदम सभाघरसब आ मन्दिरमे आपन सिक्छा देलियै, जते यहुदीसब जमा हैछै। हम आपन सिक्छा गुप्तमे नै देने चियै।
येसु यि बात कफरनहुम सहरके सभाघरमे सिक्छा दैबखत कहने छेलै।
तकरबाद येसु गालिल परदेसमे घुमफिर करल्कै। उ यहुदिया इलाका दिसन जाइले नै चाहल्कै, कथिलेत यहुदीसब ओकरा जानसे मारैले मौका ताकैछेलै।
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
सब बिसराम दिनके पावल सभाघरमे ज्याके यहुदी आ गिरिक लोकसबसे बात-चित करै आ उसब सेहो परभु येसुके सुइकार करे कैहके ओकरासबके मनाइले चाहैत रहै।
आब देख, हम जानैचियै कि, अहाँसब मेसे जकर-जकर बिचमे परमेस्वरके राजके बारेमे परचार करैत घुमलियै, आब फेनो तुसब हमर मुह कहियो नै देखबिही।
बिना रोकटोक निडर भ्याके परमेस्वरके राजके परचार करल्कै आ परभु येसु खिरिस्टके बारेमे सिखाबै छेलै।
सुनाइबला लोकके नै पठाइतै उ कनङके परचार करतै? जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै कि, “सुसमाचार परचार करैबलाके टाङ कतहेक सुन्दर!”