1 तकरबाद सैतानसे जाँचल ज्या कैहके पबितर आत्मा येसुके उजार जगहमे ल्यागेलै।
आब हम तोरासबसङे बहुत बात नै करबौ, कथिलेकी अइ सन्सारके सासक आइबरहल छै। हमर उपर ओकर कोनो अधिकार नै छै।
महज जब उसब पानीसे बाहर निकललै तखुन्ते परभुके आत्मा फिलिपके दोसर जगह ल्यागेलै आ उ मुन्सी फिलिपके फेनो नै देखल्कै। उ खुसीसे गद-गद हैत आपन बाटमे बरहैत गेलै।
परमेस्वरके आत्मा अनुसार चलैबलासब परमेस्वरके बेटा-बेटीसब चियै।
उ आपने दुख भोगल्कै आ परिक्छामे परलै, तैल्याके परिक्छामे परैबलासबके उ सहायता करैले सकैछै।
सबलोक आपन खराब इक्छाके कारनसे परिक्छामे परैछै।