5 यरुसलेम, सब यहुदिया परदेस आ यरदन लदीके लग-पासमे रहल सब इलाकाके लोकसब ओकरलग एलै,
रजा हेरोदके बखतमे यहुदिया परदेसके बेथलेहेम गाममे जब येसुके जलम भेलै, ओह्या बखत पुरुबसे ज्योतिसीसब यरुसलेममे एलै,
तब गालिल परदेस, डेकापोलिस इलाका, यरुसलेम सहर, यहुदिया परदेस आ यरदन लदीके ओइ पारसे बहौत बरका भिर ओकर पछा लाग्लै।
यहुदियाके पुरे इलाका आ यरुसलेम सहरके सबलोक निकैलके युहन्ना लग एलै आ आपन-आपन पाप माइनके उसब यरदन लदीमे बप्तिस्मा लेल्कै।
“बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके बातसबके परचार करल्कै। तहै बखतसे परमेस्वरके राजके सुसमाचार परचार भ्यारहलछै, तब सबलोक परमेस्वरके राज भितर बलपुरबक परबेस करैछै।
युहन्ना यरदन लदीमे ज्याके चारु दिसरके लोकसबके परचार करे लाग्लै, “आपन-आपन पाप माइनके पस्चाताव कर आ बप्तिस्मा ले तब परमेस्वर तोरासबके पाप छमा कैरदेतौ।”
बहुत लोकसब बप्तिस्मा लैले युहन्ना लग एलै आ उ कहल्कै, “ऐ साँपके बच्चासब, परमेस्वरके आबैबला कोरोधसे भागैले तोरासबके के चेताइने छेलौ?
युहन्ना सेहो सालीमके कात एनोनमे बप्तिस्मा दैत रहै कथिलेकी ओते बहौत पानी छेलै। लोकसब ओते आबैछेलै आ बप्तिस्मा लैछेलै।
युहन्ना त बरैबला आ चम्कैबला चिरखा छेलै आ कुछ समयतलिक ओइके इजोतमे आनन्द मनाइले राजी भेल्ही।