16 तब येसु बप्तिस्मा ल्याके तुरन्ते पानीसे बाहर निकल्लै, तब स्वरग उघरलै आ उ परमेस्वरके आत्मा पौरकीके रुपमे आपन उपरमे आबैत देखल्कै।
येसु पानीसे बाहर निकलते मातर स्वरग उघरलै आ पबितर आत्मा पौरकीके रुपमे आपन उपर आबैत देखल्कै।
येसु फेनो कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, तुसब स्वरग उघरैत आ परमेस्वरके स्वरगदुतसबके मानब-बेटाके उपरमे चरहैत आ उतरैत देखबिही।”
परमेस्वरसे पठाएल लोक परमेस्वरेके बात बाजैछै कथिलेत परमेस्वर ओकरा आपन आत्मा भरपुर कैरके दैछै।
अरथात एहेन लोक जे युहन्नाके बप्तिस्मासे ल्याके येसु स्वरग उठ्याल गेल दिनतक अपनासबसङे छेलै। उ लोक हमरासब सङे-सङे ओकर जि उठैके साक्छी हेबेपरतै।”
तब उ कहल्कै, “देख, हम स्वरग उघरल आ परमेस्वरके देहनाकात मानब पुतर येसुके ठारभेल देखैचियै।”
येसु खिरिस्ट वह्या चियै जे पानी आ लहुसे एलै। उ पानीसे मातरे नै महज पानी आ लहुसे एलै। यि बात सत छै कैहके पबितर आत्मा साक्छी छै, कथिलेकी पबितर आत्मा सत चियै।