53 उसब चिहानसे बाहर आइबके जब येसु मुरदासे जिबित भेलै तब उसब पबितर सहरमे गेलै आ बहुतो लोकसबके देखाइ देल्कै।
तब सैतान येसुके पबितर नगर यरुसलेमके मन्दिरके टुपीमे लज्याके कहल्कै,
महज मन्दिर बाहरके अङनाके नै नाप कथिलेकी उ त गैर-यहुदी लोकसबके देलगेलछै आ उसब बयालिस महिनातक पबितर सहरके लतम-लत करतै रहतै।
तब हम परमेस्वरसे बरके लेल कनिया जखा सिङगार-पटार करल, अरथात पबितर सहर, लया यरुसलेम, स्वरगसे निचा आबैत देखलियै।
जे कोइ अइ किताबमे लिखल अगमबानीके बचनसे किछो घटेतै त, परमेस्वर जिबनके गाछ आ पबितर सहरसे पाबैबला भाग ओकरसे छिनके लजेतै।