52 चिहानके मुहसब उघरलै आ परमेस्वरके बहुतो सेबकसब मुरदासे जिबित भ्याके उठलै।
तकरबाद येसु कहल्कै, “अपनासबके सङी लाजरस सुतल छै, महज हम ओकरा जगाबैले ओते जेबै।”
उ ठेङहुनिया द्याके जोरसे कहल्कै, “हे परभु, यि पापके दोस अकरौरके नै लागे।” अतहेक कहलाके बाद ओकर परान छुइटगेलै।
ओह्या खातिर तोरासबमेसे बहुतो गोरे कमजोर आ बिमार चिही आ कतहेक गोरे मैर गेलौ।
बास्तममे, खिरिस्ट त मरलसे जीयाल छै, जे मरलसबमेसे पहिल्का फल चियै।
सुन! हम तोरासबके एकटा रहसके बात कहैचियौ, अपनासब कोइ नै मरबिही, महज सबकोइ परिबरतन हेतै।
कथिलेकी येसु मरलै आ फेनसे जिबित भेलै कैहके अपनासब बिस्बास करैचियै, अहैलेल जब येसु फेनसे एतै त मरैसे पहिने येसुमे बिस्बास करल लोकसबके परमेस्वर फेनसे जियेतै आ ओकर सङे-सङे एतै।
परभु येसु आपनसबके खातिर अइलेल मरलै कि उ फेनसे आबैबखत अपनासब जिते हेबे चाहे मरल हेबे ओकरेसङे जिबन जियैले सकब।