74 तब पतरुस किरिया खाइत कहल्कै, “हम ओइ लोकके चिन्हबे नै करैचियै! यदी हमर बात झुठ हेतै त, परमेस्वर हमरा सराप देबे।” ठिक ओहि घरी मुरगा डाँक देल्कै।
ओइसबसे नै डेरा जे देहके मातरे मारैछै, महज आत्माके नै मारे सकैछै। बरु ओकरेसङे डेरा जे आत्मा आ देह दुनुके नास कैरके नरकमे फेकैके सक्ती छै।
येसु पतरुसके कहल्कै, “साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइ रातके मुरगा डाँकैसे पहिने तु हमरा नै चिन्हैचियै कैहके तिन बेर इन्कार करबिही।”
कुछदेर बाद ओते ठार भेल्हा लोकसब नजदिक आइबके पतरुसके कहल्कै, “अबस्य तु ओकरेसबमेसे एक चिही, कथिलेकी तोहर बोलीके लबजेसे थाह हैछौ।”
तब येसुके कहल बात पतरुसके याद परलै, “मुरगा डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर इन्कार करबिही।” तब पतरुस बाहर निकैलके हेकैच-हेकैचके काने लाग्लै।
भिरके सबलोक जबाफ देल्कै, “अकर लहुके दोस हमरासबमे आ हमरासबके बेटा-बेटीसबमे परे!”
तब येसु पतरुसके कहल्कै, “साँचोके, हम तोरा कहैचियौ, आइ रात मुरगा दुइबेर डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर नै चिन्हैचियै कैहके इन्कार करबिही।”
महज पतरुस एहेन कैहके इन्कार करल्कै, “नै गे, तु कथी कहैचिही हम त कुछो नै जानैचियै नै बुझैचियौ।” जब उ अङनासे बाहर जाइबला केबार दिसन गेलै आ तखुन्ते मुरगा डाँक देल्कै।
महज पतरुस कहल्कै, “धु मरदे, तोहे कथी कहैचहक, हम नै जानैचियै!” तहै बखत पतरुस बोलतैखिना मुरगा डाँक देल्कै।
तब पतरुस फेनो इन्कार करल्कै, तखुन्ते मुरगा डाँक देल्कै।
यदि हमर आपने जातिके इजराएली लोकसब मुक्ती पाबैछै त, हम खिरिस्टके सराप सहैले आ ओकरसे अलगो हैले तयार चियै।
कोइ परभुके परेम नै करतै त उ सरापित हेबे। हे अपनासबके परभु, आबु!
जकरा हम परेम करैचियै, तकरा डाटै चियै आ सजाय द्याके सुधारैचियै। साच्चेके पाप करैले छोर आ हमरलग या।