61 “यि आदमी त, ‘हम परमेस्वरके मन्दिरके तोरइके तिन दिनमे ओकरा निरमान करे सकैचियै’ कहल्कै।”
महज यि सुइनके फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक त भुतसबके रजा बालजिबुलके सक्तिसे भुतसब निकालैछै।”
तकरबाद परधान पुजारी ठार भ्याके येसुके सबाल करल्कै, “यि सबालके जबाफ तोहरसङे नै छौ? यि लोकसब तोहर बिरोधमे गबाही देने छै ओकर बारेमे कुछो नै कहबिही?”
अतेक कहैत पतरुस अङनाके केबार दिसन गेलै। ओतबेहेकमे दोसर नोकरनी ओकरा देखके ओते भेल्हा लोकसबके कहल्कै, “यि लोक सेहो नासरतके येसुसङे छेलै।”
आ कहल्कै, “आरौ बा! तु मन्दिरके तोरैबला आ तिने दिनमे ओइके बनाइबला, आब कुरूससे निचा उतैरके या त आ आपने आपके बचा त।”
अहै कारन उ चानीके सब डलर मन्दिरमे फेकके चैलगेलै आ आपनेसे फासी लटैकके मैर गेलै।
“हमसब सुनलियै कि, ‘लोकके हाथसे बन्याल यि मन्दिरके तोइर देबौ आ तिन दिनमे लोकके हाथसे नै बनल दोसर मन्दिर निरमान करबौ।’”
ओइ रस्तामे जाइबला आपन मुरी हिला-हिलाके ओकर गिल्ला करैत कहल्कै, “आरौ बा! तु मन्दिरके तोरैबला आ तिने दिनमे बनाइबला,
उसब येसुके दोस लगाइत कहल्कै, “यि लोक आपनौरके रास्टके लोकसबके बहक्या रहल हमरासबके भेटलै। यि रोमी सरकारके बटी नै दहै आ उ आपनके हम खिरिस्ट आ रजा कहैछै।”
हमसब जानैचियै मोसासङे परमेस्वर बाजल छेलै। महज उ लोक कतेके चियै, से बात हमसब नै जानैचियै।”
ओते इपिक्युरी आ स्तोइकी दारसनिकमेसे कुछ पावल सङे बाद-बिबाद करै। उसब कतहेक गोरा कहल्कै, “यि बर-बरहा कथी कहैछै?” औरोकोइ कहल्कै, “भैरसक यि कोनो लबका देबि-देउताके परचार करैछै!” कथिलेत पावल येसुके बारेमे आ उ मरके जि उठल छै तै बातके परचार करैछेलै।
“यि लोक अपनासबके नियमके बिरोधमे परमेस्वरके आराधना करैले सिखाइछै आ लोकसबके बहकाइछै।”
लोकसब पावलके यि बात “हम तोरा दुर-दुर गैर-यहुदीसबके बिचमे पठाइबौ, सुनते मातर” उसब जोर-जोरसे हल्ला करैत कहेलाग्लै, “दुनियासे अकर नाम निसान मेटा दहै। कथिलेत यि जिबित रहैके योग्यके नै छै।”