52 तब येसु ओकरा कहल्कै, “तोहर तलबार मियानमे राख। जे तलबार उठाबैछै से कोइ तलबारेसे मारल जाइछै।”
महज हम तोरासबके कहैचियौ, दुस्ट लोकके कुछो नै कर। कोइ तोहर देहना गालमे थपराइतौ त, ओकर सामने दोसरो गाल थैप दहै।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आपनेसे ककरो बदला नै ले महज परमेस्वरके करोधमे छोइरदहै। कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे परमपरभु एहेन कहैछै, “बदला लैबला काम हमर चियै, हम्ही बदला लेबौ।”
तुसब ककरो खराबीके बदला खराबी नै कर, महज एक-दोसरके आ सके जतहेक सब लोकसबके भलाइ करैके कोसिस कर।
खराबीके बदला खराबी या अपमानके बदला अपमान नै कर। बरु खराबीके बदला आसिस दहै, कथिलेकी यह्या करैके लेल परमेस्वर तोरासबके बोलाइनेछौ आ तुहुसब आसिस पाबबिही।
यदि कोनो लोक कैदके लेल छै त ओकरा कैद कैरके ल्याजेतै आ कोनो लोकके तरबारसे मारैके छै त उ साँचोके तरबारेसे मारल जेतै। तैल्याके परमेस्वरके लोकसबमे सहैके सक्ती आ बिस्बास हेबेपरतै।
कथिलेत उसब अहाँके पबितर जनसब आ अगमबक्तासबके लहु बहेनेछै तब ओकरासबके अहाँ लहुवे पियैले देलियै। ओइसबके अनङ सजाय पाबनाइ उचित छै।”