51 यि देखके येसुसङे भेल्हामेसे एक गोरे चेला तलबार निकाइलके परधान पुजारीके नोकरके कान छपट देल्कै।
पतरुस ओकरा कहल्कै, “अदी हमरा अहाँसङे मरैयो परतै त हम अहाँके कहियो नै इन्कार करब।” तब औरो चेलासब सेहो एह्या बात कहल्कै।
महज ओते ठार भेलसबमेसे एक गोरे चेला चक्कु निकालके परधान पुजारीके नोकरके कान काइटदेल्कै।
तब येसु घुइमके ओकरासबके खिस्याइल्कै।
तब येसु जबाफ देल्कै, “हमर राज यि सन्सारके नै चियै। हमर राज यि सन्सारके रहतियै त हमरा पछुवाइबला हमर लेल लराइ करतियै आ हम यहुदीसबके हाथमे नै परतियै। महज हमर राज यि सन्सारके नै चियै।”
हमरासबके हाथ-हथियार त सन्सारके नै छै, महज हमरासबसङे परमेस्वरके सक्तिसाली हाथ-हथियार छै, जै हाथ-हथियारसे सैतानके सक्तिके खतम कैरदैछै आ बेकारके बाद-बिबादके नास कैरदैछै।