44 येसु फेनो ओइसबके सुतले छोइरके गेलै आ तेसर बेर फेनो ओहिनङे परथना करल्कै।
हमर देहसे यि हट्या दिय कहैके हम तिन बेर परभुसे परथना करलियै।
तकरबाद चेलासबके सबदिन परथना करे आ निरास नै हेबे कैहके येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै,
“परथना करैतखिना तुसब गैर-यहुदीसब जखा बेकारमे बर-बराइत नै रह। कथिलेत बहौत बात बजलासे ओकर परथनाके सुनबाइ हैछै से बातके उसब बिचार करैछै।
जब उ परथना कैरके चेलासबलग एलै त ओइसबके सुतल देखल्कै कथिलेकी ओइसबके आँख निनसे भारी भेल छेलै।
तब उ चेलासब लग आइबके ओइसबके कहल्कै, “कि अखनियो तुसब सुतले चिही आ आरामे करैचिही? देख, समय नजदिक आइबगेल छौ। मानबके बेटा पापी लोकके हाथमे पकराबैले लागल छै।