41 जागल रह आ जाँचमे नै परे खातिर तुसब परथना करैतरह। आत्मा त साँचोके तैयार छै महज देह दुरबल छै।”
“अहैलेल तुसब जागल रह, कथिलेकी तुसब नै जानैचिही कि तोरासबके परभु कोन दिन आइबजेतौ।
“अहैलेल जागल रह, कथिलेकी मानबके बेटा कोन दिन आ कोन घरी एतौ तोरासबके थाह नै हेतौ।”
तब उ ओइसबके कहल्कै, “हमर मन पिरासे ब्याकुल भ्याके करेजा फाटेलागल जखा करैये। तुसब अत रैहके हमरसङे जागल रह।”
हमरासबके पापमे फसाइबला बातसबसे दुर राखु आ दुस्टसे बचाबु। [कथिलेत राज, पराकरम आ महिमा जुगो-जुग तक अहैके चियै, आमेन।’]
जागल रह आ जाँचमे नै परे खातिर तुसब परथना कर। आत्मा त साँचोके तैयार छै महज देह दुरबल छै।”
हमरासबके पापसब छमा कैरदिय, कथिलेत हम्हु हमर बिरुध पाप करैबलाके छमा करैचियै। हमरासबके जाँचसे दुर राखु।’”
महज यि सब बातसबसे बचैले आ मानब पुतरके अगामे ठडा हेबे सके तै सक्तिके लेल परमेस्वरसङे सबघरी जागल रह आ परथना कर।”
ओते पुग्लाकेबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “जाँचमे नै परैके लेल तुसब परथना करैतरह।”
तब येसु चेलासबके कहल्कै, “तुसब कथिले सुइतरहलची? उठ आ जाँचमे नै परै खातिर परथना कर।”
पथलबला जमिनमे परलाहा उसब चियै, जे परमेस्वरके बचन सुइनके खुसिसाथ गरहन करैछै महज ओकर सिर नै हैके कारन ओकरासबके बिस्बास कुछ समयके लेल मातर हैछै। परिक्छाके बखत ओकरासबके पतन हैछै।
बेबस्था जे करैले नै सक्लै, से परमेस्वर करल्कै, कथिलेकी अपनासबके पापी स्वभाबके कारनसे बेबस्था कमजोर भेलै। परमेस्वर अपनासबके पापसे छुटकरा करैके लेल आपनेसब जखा आपन बेटाके देहमे पठेल्कै आ उ खिरिस्टके देहके बलिदान कैरके अपनासबके पापके नास करल्कै।
तोरासबके जिबनमे आबैबला सब परिक्छासब लोकसबके बिचमे आबैबला जखा हैछै। परमेस्वर बिस्बासयोग्य छै, जे तोरासबके सहे नै सकैबला परिक्छामे नै पारतौ। जब तु लोभमे परबिही परमेस्वर तोरा उ परिक्छासे बचैयोके लेल सहायता करतौ। तब तु सहैले सकबिही।
होसियार भ्याके बिस्बासमे अरल रह। साहसी आ बौकार हो।
हम आपन देहके बसमे राखैके लेल तालिम द्याके खेलारी जखा अनुसासनमे राखैचियै। नै त औरोके परचार करलाके बाद हम आपने अयोग्य ठहरबै।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
तुसब पबितर आत्माके सक्तीमे हर बखत परमेस्वरसे परथना कर। होसियार आ लगनसिल भ्याके हरदम खिरिस्टके पबितर जनसबके खातिर परथना करैतरह।
सब चिजके अन्त हैके समय चैल एलछै। ओहैसे तुसब आपन मनके सुध आ आपनेके बसमे राख ताकी तुसब असलसे परथना करे सक।
होसियार रह आ जागल रह, कथिलेकी तोरासबके दुस्मन सैतान ककरा भेटाइबै आ ख्यालेबै कैहके गरजैबला सिंह जखा खोजैत घुमैछै।
ओहिनङ परभु धरमी लोकसबके संकटसे बचाबैले आ अधरमी लोकसबके दन्ड दैले नियायके दिन तलिक राखैले जानैछै।
“देख, हम चोर जखा अनचेकेमे एबौ। उ लोक धैनके चियै, जे जागल रहैछै आ आपन बस्तरके जोग्याके राखैछै। उ लोकके नाङटे चले नै परतै आ लोकसबके बिचमे लाजमे नै परतै!”
पिरथिबीके सब जातीसबके जाँचैले अइ सन्सारमे आबैबला दुख कस्टसे हम तोरा बचाइबौ, कथिलेकी तुसब बहुत बात सैहके हमर आग्यापालन करनेचिही।