9 “तब लोकसब तोरासबके पकैरके दुख दैकेलेल लजेतौ, तोरासबके मारतौ। तुसब हमरा बिस्बास करैके कारन सब जातीसब तोरासबके दुस्तौ।
बाकी रहल लोकसब ओकर नोकरसबके पकैरके दुरबेबहार करल्कै आ जानसे माइरदेल्कै।
ओहैसे हम तोरासबके लग अगमबक्तासब, बुधिमान लोकसब आ धरमगुरुसब पठेबौ। तोरासबमेसे कतहेक गोरा ओइसबके मारबिही आ कतहेकके कुरूसमे लटकेब्ही आ कतहेक गोरेके सभाघरमे कोरासे पिटबिही आ एक सहरसे दोसर सहर तक खिहारबिही।
अहै खातिर सबकुछ जानैबला परमेस्वर कहल्कै, ‘हम तोरासबके लगमे अगमबक्ता आ परेरितसबके पठाइबौ। महज ओइमेसे ककरो मारबिही त ककरो सताइबिही।’
“महज यि सबबातसब हैसे पहिने, लोकसब तोरा पकरतौ, सताइतौ, सभाघरमे लज्याके जिमा लग्यादेतौ आ पकैरके जहलमे द्यादेतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके रजा आ सासकसबके अगामे ठडा करतौ।
“यदी सन्सारके लोकसब तोरा घिरना करतौ त, तोरासबसे पहिने हमरा घिरना करल्कै कैहके जान।
हमर नाममे बिस्बास करलाके खातिर उसब तोरासबके यि सब सताइबला काम करतौ, कथिलेत उसब हमरा पठाइबला पिताके नै चिन्हैछै।
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
महज हमसब अहाँके बिचार सुनैले चाहैचियै कथिलेत अहाँके दलके बिरोध सबदिसन भ्यारहल छै से हमसब जानैचियै।”
जैहनङ उसब स्तिफनस उपर पथल मारैत खिना एहेन कहैत परथना करैतरहै, “हे परभु येसु, हमर आत्माके सुइकारु।”
महज खिरिस्टमे बिस्बास करलासे दुख-कस्ट भोगैचिही त लाज नै मान। बरु खिरिस्टके नाम लैले पाबलियै कैहके परमेस्वरके परसन्सा कर।
तोरा जे कस्ट परेबलाछौ ओइसे नै डरा। तोहर बिस्बास जाँचके लेल सैतान तोरासबमेसे कतेक लोकके जहलमे ढोकतौ। अहिनङ कैरके तोरासबके दस दिनतक कस्ट सहैले परतौ। तु मिरतु तक हमरमे बिस्बास करैले नै छोर। तब हम तोरा जिबनके मुकुट देबौ।’
हमरा थाहछै, तुसब सैतानके सिंहासन भेल ठाममे रहैचिही, तैयो तुसब हमर नाममे अस्थिर रहैचिही। तुसब हमर भक्त चिही आ हमरा बिस्बास करैले नै छोरनेचिही से हमरा थाहछै। हमर बिस्बासी साक्छी एन्टिपास सैतान रहैबला ठाममे मारलगेलै, ओहु समयमे बिस्बास करैले नै छोरलिही।
हम ओकरा कहलियै, “गुरु जी, हमरा थाह नै छै। अहिके थाहछै।” उ हमरा कहल्कै, “उसब त बरका भारी सताबट सैहके एलछै आ उसब आपन-आपन बस्तर थुमाके लहुसे धोइबके उजर बनाइनेछै।