6 तुसब लराइ आ लराइके हल्लासब सुनबिही। महज उ समयमे तुसब नै घबराइहे, कथिलेत पहिने यि सब हेनाइ आबस्यक छै, महज अन्त तुरन्ते नै हेतौ।”
जब हेरोद रजा यि बात सुनल्कै, तब उ बेचैन भेलै आ ओइसबसङे पुरे यरुसलेमो बेचैन भेलै।
परमेस्वरके राजके यि सुसमाचार परचार सन्सार भैर करलजेतै, ताकि सब जातीके लोकसब सुनैके मौका पाबे, तकरबादे यि सन्सारके अन्त हेतै।
महज यदी हम माङतियै त धरमसास्तरमे यीसब हेतै कैहके लिखल बात कनङ पुरा हेतै?
कथिलेत तोरासबके आपन धिरजके कारन जिबन मिल्तौ।”
जब तुसब बरका लराइ, झगरा आ मारकाटके बातसब सुनबिही तैयो तुसब नै घबराइहे, कथिलेत पहिने यि घटनासब हेबैये परतै, महज अन्त तुरन्ते नै हेतौ।”
हम तोरासबके कहैचियौ, ‘उ अपराधीसबसङे गनल गेलै’ यि पबितर धरमसास्तरमे लिखलाहा बातसब हमरमे पुरा हेबैये परतै। कथिलेत हमर बारेमे लिखल बातसब पुरा भ्यारहलछै।”
येसु चेलासबके कहल्कै, “तोरासबके मन बेचैन नै हेबे। तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करैचिही आ हमरोमे बिस्बास कर।
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
अपनासबके परभु आबैबला दिन भेलौ कहतौ त तुसब नै घबरा आ भरममे नै पर। ओइ दिनके बिसयमे कोइ अगमबानीसे, कोइ बोलिसे आ कोइ-कोइ हमरेसब जखा लिखल चिठीसे भरममे पारैले खोज्तौ तैयो बिस्बास नै करिहे।
दोसर एकटा चहकदार लाल घोरा बाहर निकैलके एलै। लोकसब एक दोसरके हतिया करे कैहके यि घोरसबारके पिरथिबीसे सान्ती हरन करैके अधिकार परमेस्वर देल्कै। उ ओकरा एकटा बरका तलबार सेहो देल्कै।