34 साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक यि सब बातसब पुरा नै हेतै ताबेतक यि पुस्ताके अन्त नै हेतै।
साँचेके, हम तोरासबके कहैचियौ, अते ठार भेलमेसे कतहेक लोकसब जाबेतक मानबके बेटाके आपन राजमे आबैत नै देखतै ताबेतक नै मरतै।”
साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, यि सबके दोस अहि पुस्ताके लोकसबके कपारमे परतौ।
सन्सारमे सुरुसे जतेक अगमबक्तासबके खुन बहल छै ओकर लेखा अहै पुस्तासे लेतै।
तब उ ज्याके आपनोसे खराब औरो सातटा भुत आत्मासबके आइनके भितर ढुइके ओतै बास करैछै। तब ओइ लोकके दसा पहिन्कोसे औरो खराब हैछै। यि दुस्ट पुस्ताके हालत ओहिनङे हेतै।”
जब लोकसब तोरासबके एक गाममे सताइतौ तब दोसर गाममे भाइगके जो। साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, मानबके बेटा आबैसे पहिने तुसब इजराएलके सब गाम कोनोभी हालतमे आपन काज पुरा नै करने रहबिही।