3 येसु जैतुन पहारमे बैठलबखत ओकर चेलासब आइबके चुपेसिना पुछल्कै, “गुरु जी, हमरासबके कहु यि बातसब कहिया हेतै? अपने दोसर बेर एबै से आ यि युगके अन्त हैबला चेन्हा कथी रहतै।”
तकरबाद येसु भिर लागल लोकसबके छोइरके घरमे चैलगेलै। चेलासब ओकरलग आइबके कहल्कै, “हमरासबके झरके खिसाके अरथ बुझादिय।”
जुगके अन्तमे अहिनङे हेतै, स्वरगदुतसब आइबके परमेस्वरके अगा धरमी लोकसबके बिचसे दुस्टसबके अलग करतै।
तकरबाद ओकर चेलासब लगमे आइबके कहल्कै, “कि अहाँके थाह भेल? अहाँके कहल बातके कारन फरिसीसब खिस्यालछै।”
कथिलेत जब मानबके बेटा आपन पिताके महिमामे स्वरगदुतसबके सङे एतै तब ओइ बखत सब लोकसबके आपन-आपन काज अनुसारके इनाम देतौ।
साँचेके, हम तोरासबके कहैचियौ, अते ठार भेलमेसे कतहेक लोकसब जाबेतक मानबके बेटाके आपन राजमे आबैत नै देखतै ताबेतक नै मरतै।”
तकरबाद चेलासब येसुके असगरेमे पुछल्कै, “हमसब कथिले ओइ भुत आत्माके निकालैले नै सकलियै?”
जब येसु आ ओकर चेलासब यरुसलेमके नजदिक जैतुन पहाड़के बेथफागे ठाममे पुग्लै, तब येसु आपन दुइ गोरा चेलासबके एहेन कैहके पठाइल्कै,
कथिलेत जनङ बिजली अकासके कोनो एक कात चम्कैछै त दोसरकातके अन्ततक इजोत देखा परैछै, अहिनङे मानबके बेटा आबैके दिनमे सबकोइ देखतै।
“तकरबाद मानबके बेटा आबैके चेन्हा अकासमे देखा परतै। पिरथिबीके सब जातीसब कना रोहैट करतै आ मानबके बेटाके बादलमे सक्ती आ बरका महिमाके सङे आबैत देखतै।
नोआके दिनमे जेहेन भेल छेलै, हम मानबके बेटा आबैके दिनमे ओहिनङ हेतौ।
जब जल परलय आइबके ओकरासबके नै दहाबे लाग्लै तबतक ओइसबके थाहे नै भेलै। मानबके बेटा आबैके दिनमे ओहिनङे हेतै।
महज यि जानैत रह, कि चोर कोन बखत एतै कैहके मालिकके थाह हेतियै त उ जागले रहतियै आ चोरके सिन कोरके घर ढुकैले नै देतियै।
हम तोरासबके आग्या करल सब बात मानैले ओकरासबके सिखा। देख, हम युगके अन्ततक सबदिन तोरासबके सङे चियौ।”
तब उसब येसुके पुछल्कै, “गुरु जी, यि बातसब कहिया हेतै? यि हेबे लाग्तै त केहन चेन्हा हेतै?”
येसु ओकरासबके कहल्कै, “परमेस्वर आपन अधिकारसे तोकल तिथी आ मिती तोरासबके जानैके जरुरी नै छौ।
यदि एहैन हेतियै त सन्सारके सिरिस्टीके सुरुवातेसे ओकरा बारमबार दुख भोगैले परतियै। महज अइ जुगके अन्तमे उ सबदिनके लेल एकेबेर परगट भेलै आ पाप हटाबैले आपने बलिदान भेलै।