9 अइ पिरथिबीमे तुसब ककरो पिता नै कहिहे कथिलेत तोरासबके एकेटा आत्मिक पिता छौ, जे स्वरगमे रहैछै।
तुसब गुरु नै कहाबिहे, कथिलेकी तोरासबके एकेटा गुरु छौ, जे खिरिस्ट चियौ।
कथिलेत गैर-यहुदीसब यि सबचिज ताकैछै, महज तोरासबके पिता जे स्वरगमे रहैछै, उ तोरासबके यि सब चिज चाही से जानैछै।
अहिनङके तुसब दुस्ट रइहतो परभी आपन धियापुतासबके असल चिज दैले जानैचिही त, स्वरगमे रहैबला तोरासबके पिता, ओकरासे माङैबलासबके औरो कतेक बेसीसे असल चिज देतै।
“हौ भाइ-भैयारी आ बाबुसब, अहाँसबके अगा हम आपन तरफमे जे कहैले चाहैचियै से सुनु।”
तोरासबके खिरिस्ट येसुके बारेमे सिखाइबला दसो हजार गुरुसब भेलोपर पिता त बहुत नै छौ। महज सुसमाचार परचार कैरके खिरिस्ट येसुमे हम तोरासबके पिता भेलचियौ।
हम तोरासबके पिता हेबौ आ तुसब हमर बेटा-बेटी हेब्ही कैहके सबरसक्तीमान परमपरभु कहैछै।”
अकर अलाबा अपनासबके अनुसासनमे राखैबला सारिरीक बाबु छेलै। अपनासब ओकरा आदर करैछेलियै। अनन्त जिबन पाबैले औरो अपनासब आपन आत्मिकी बाबुके अधिनमे रहैले परतै।
देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।