2 “धरमगुरुसब आ फरिसीसब मोसाके बेबस्था सिखाबैके अधिकार पाबने छै।
ओहैसे तुसब ओइसबके कहल सब बात करिहे। महज उसब जे करैछै से तुसब नै करिहे, कथिलेकी उसब दोसरके त सिखाइछै महज आपने ओइ अनुसार नै चलैछै।
येसु फेनो कहल्कै, “धरमगुरुसबसे होसियार रह! कथिलेत उसब लाम-लाम बस्तर पिन्हके घुमैले आ बजारसबमे सलामी खोजैबला,
“निक-निक धोती-कुरता पिन्हके अगल-बगल घुमैबलासबसे, रस्तामे चलै फिरै बखत अभिबादन चाहैबलासब, बैठकीमे परमुख आसन माङैबला आ भोज भातमे कमरमे बैठैबला धरमगुरुसबसे होसियार रह।