7 ओहिसे रजा एकदमसे खिस्याके आपन सैनिकसबके पठेल्कै आ जानसे नोकरसबके मारैबलासबके मारैले लगेल्कै आ ओइसबके सहर डहाइले लगेल्कै।
बाकी रहल लोकसब ओकर नोकरसबके पकैरके दुरबेबहार करल्कै आ जानसे माइरदेल्कै।
“तब उ रजा फेनो दोसर नोकरसबके कहल्कै, ‘बियाहके भोज त तैयार छै, महज नौता पाबलाहा लोकसब यि भोज खाइ जोगके नै छेलै।
आब हमरा ओइसबके उपर राज करैत नै देखे सकैबला बिरोधीसबके हमरलग आन आ हमरे अगामे मार!’”
तै बखत यहुदिया इलाकामे रहैबला लोकसब पहार दिसन भागे। यरुसलेमके सहरमे रहैबला लोकसब सहर छोइरके बाहर दिसन भागे आ बाहर गाममे रहैबला लोकसब सहर दिसन भितर नै आबे।
दुस्मनसब ओइसबके तरबारसे काइटके मारतौ। ओकरा बन्दी बनाके देस-देसमे ल्याजेतौ। तब आन जातसे समय पुरा नै छै तक उसब यरुसलेमके टाङके तरमे दाइबके राख्तौ।”
गैर-यहुदीसबके मुक्तीके सन्देस सुनाइबला हमरासबके काममे उसब बाधा पुगेल्कै। एहेन कैरके उसब आपन पापके घरा भैरलेल्कै। आखिरमे परमेस्वरके करोध ओइसबके उपर परलै।