6 बाकी रहल लोकसब ओकर नोकरसबके पकैरके दुरबेबहार करल्कै आ जानसे माइरदेल्कै।
महज नौता पाबैबलासब मतलबे नै कैरके आपन-आपन काम-काजमे चैलगेलै। कोइ आपन बारिझारीमे त कोइ आपन बर-बेपारमे काम करैले चैलगेलै।
ओहिसे रजा एकदमसे खिस्याके आपन सैनिकसबके पठेल्कै आ जानसे नोकरसबके मारैबलासबके मारैले लगेल्कै आ ओइसबके सहर डहाइले लगेल्कै।
उ रोमी सासकसबके हाथमे परतौ आ लोकसब ओकरा गिल्ला करतौ, थुक्तौ, दुरबेबहार करतौ,
ओहै दिनसे यरुसलेमके मन्डलीके बिस्बासीसबके बिरोधमे बहौत बरका सताबट सुरु भेलै आ परेरितसबके छोइरके औरोसब बिस्बासीसब यहुदिया आ सामरियाके इलाकामे छिरिया गेलै।
तुसब आपने जहलमे परल जखा जहलमे परलहासबके तुसब वास्ता कर। आपने दुख भोगल जखा अतियाचारमे परलहासबके याद कर कथिलेकी तुहुसब सरिरमे चिही।