1 येसु कहैत गेलै, “स्वरगके राज जमिनके एकटा एहेन मालिक जखा चियै जे, बिहान सबेरे-सबेरे अङगुर बारीमे काम करैबला जनसबके ताकैले निकललै।
येसु लोकसबके दोसर खिसा सुनाइल्कै, “देख, स्वरगके राज एकटा एहेन लोकसे तुलना करल जाइछै जे आपन खेतमे असल बिचहन छिटैछै।
येसु फेनो ओइसबके दोसर खिसा कहल्कै, “स्वरगके राज रायके बिया जखा चियै, जे एकटा लोक लज्याके आपन बारीमे रोपल्कै।
तब येसु फेन ओइसबके दोसर खिसा कहल्कै, “स्वरगके राज रोटी फुलाइबला खमिर जखाछै, जे एकटा जनी पच्चिस किलो आँटामे मिल्याके सानल्कै आ उ जम्मे अँटा फुइल जाइछै।”
“फेन स्वरगके राज त समुन्दरमे माछ मारैले राखल एकटा जाल जखा चियै, जैमे सब परकारके माछ परैछै।
तब ओइ जनसबके एक दिनके बैन चानीके एक टका तोइकके आपन अङगुरके बारीमे काम करैले पठेल्कै।
तब येसु मुख पुजारीसब आ अगुवासबके कहल्कै, “हम तोरासबके एकटा खिसा कहैचियौ। उ खिसा सुइनके आपन आपन बिचार कहेसकैचिही। एकटा लोकके दुइ बेटा छेलै। उ लोक पहिन्का बेटा लग ज्याके कहल्कै, ‘बेटा, आइके तु अङगुर बारीमे ज्याके काम करिहे।’
“स्वरगके राज एकटा एहेन रजा सङे तुलना करेसकैचियै जे आपन बेटाके बियाह उत्सबमे भोज करल्कै।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तु अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वर तोरासबलग पठेल्हासबके पथलसे मारैचिही। जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे राखैछै, ओहिने हम बहुतो बेर तोहर बच्चासबके बचाइले चाहलियै, महज तु नै मानलिही।
येसु कहल्कै, “स्वरगके राज एहेन चियै- दसटा कुमाइर कनिया आपन-आपन चिरखा ल्याके बरके भेटैले निकललै।
येसु कहल्कै, “स्वरगके राज एहैनके चियै: एकटा धनिक लोक जब परदेस जाइले लाग्लै त आपन नोकरसबके बोलाके आपन धनसम्पैत जिमा देल्कै।
“आपन पापके खातिर पस्चाताप कर, कथिलेत स्वरगके राज लग आइब गेल्छौ।
यि त एकटा लोक बिदेस गेल जखा चियै। जाइसे पहिने उ आपन नोकर-चाकरसबके घरमे सब काम-काजसबके जिम्मा लग्याके आ पहरेदारके जागल रह कैहके आग्या द्याके बिदेस गेल जखा चियै।
येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “साँचो अङगुरके लती हम्ही चियै आ हमर पिता किसान चियै।
तैखातिर हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, बिस्बासमे बलगर आ अस्थिर रह। तुसब परभुके काममे बरहैत जो, कथिलेत तुसब जानैचिही कि परभुमे तोरासबके मेहनत बेरथ नै हेतौ।
तोरासबके हर परकारके असल गुनसबसे भरिपुरन करे आ तुसब ओकर इक्छा पुरा करैले सक। परमेस्वरके जे मन परैबलाछै से येसु खिरिस्ट दुवारा उ तोरासबमे करे। ओकर महिमा जुगो जुग तलिक रहे। आमेन।