2 आ उसब लोकसबसे पुछल्कै, “यहुदीसबके रजा भ्याके जलमल कते छै? हमसब ओकर जलमके थाह दैबला तरा पुरुबमे उगल देखलियै आ ओकरा दरसन करैले एलचियै।”
जब हेरोद रजा यि बात सुनल्कै, तब उ बेचैन भेलै आ ओइसबसङे पुरे यरुसलेमो बेचैन भेलै।
“सियोनमे रहैबला लोकसबके कैहदहै, ‘देख, आब तोरासबके रजा तोरेसबके लग आइबरहल छौ, उ कोमल हिरदयके छै, उ गदहामे, गदहाके बच्चामे चहैरके आइबरहल छै।’”
जब येसु बडा हाकिमके अगा ठार भेलै, तब बडा हाकिम ओकरा पुछल्कै, “कि तु यहुदीसबके रजा चिही?” येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “अहाँ अपने कैहरहल चियै त।”
“परभु परमेस्वरके नाममे आबैबला रजा धैनके चियै। स्वरगमे सान्ती आ परमेस्वरके महिमा हेबे।”
आइ दाउदके सहरमे मुक्तीदाताके जलम भेल छै, जे खिरिस्ट परभु चियै।
तब पिलातस ओकरा पुछल्कै, “कि तु यहुदीसबके रजा चिही?” येसु जबाब देल्कै, “से बात त अहै कहैचियै।”
“यि यहुदीसबके रजा चियै” से बात पाटीमे लिखल ओकर मुरीके उपरमे टाङल छेलै।
नथानेल जबाब देल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै! अहाँ त इजराएलके रजा चियै।”
उसब खजुरके ठाइरसब ल्याके एहेन कहैत ओकरा भेटैले निकल्लै, “होसन्ना! धैन इजराएलके रजा! जे परमपरभुके नाममे आबैछै!”
पिलातस ओकरा पुछल्कै, “कि तु रजे चिही त?” तब येसु जबाफ देल्कै, “हम रजा चियै कैहके अहै त कहैचियै। हम अहै खातिर यि सन्सारमे जलम लेलियै आ सतके बारेमे गबाही दैले सन्सारमे एलियै। जे सतके पक्छमेछै, से हमर बात सुनैछै।”
पिलातस एकटा दोस-पतरो लिखैले आ कुरूसमे टाङैले लगाइल्कै। उ दोस पतरमे एहेन लिखल छेलै, “नासरतके येसु, यहुदीसबके रजा।”
थोमा कहल्कै, “हे हमर परभु, हमर परमेस्वर!”
ताकि सबकोइ बेटाके आदर करे, जनङ उसब पिताके आदर करैछै। जे कोइ बेटाके आदर नै करैछै, उ लोक बेटाके पठाइबला पितोके आदर नै करैछै।
यि बात सुइनके उ लोक कहल्कै, “परभु, हम बिस्बास करैची!” तब ओकर टाङमे गोरलागल्कै।
परमेस्वर आपन पहिन्का जलमल बेटाके सन्सारमे पठाबै बखत उ फेनसे अनङ कहल्कै, “परमेस्वरके सब स्वरगदुतसब ओकरे पुजे।”
“हम येसु, तोरासबलग मन्डलीके लेल यि गबाही दैले आपन स्वरगदुतके पठाइने चियौ। हम्ही दाउद रजाके कुल, सन्तान आ अनगुतके चम्कैबला तरा चियौ।”