19 तब हेरोद रजा मरलाके बाद, परमपरभुके एकटा स्वरगदुत सपनामे योसेफ लग मिसरमे देखाब देल्कै आ कहल्कै,
महज जब योसेफ एह्या बातके बिचार करतै रहै, तब सपनामे परमपरभुके स्वरगदुत एलै आ ओकरा अनङ कहल्कै, “हौ दाउदके खानदानके योसेफ, तु मरियमके आपन घरबालीके रुपमे अपनाबैले नै डरा, कथिलेत जे ओकर पेटमे छौ, उ पबितर आत्मासे चियौ।
“उठ, बालक आ ओकर माँके सङे ल्याके इजराएल देसमे जो, कथिलेत जेसब बालकके जानसे मारैले चाहैछेलै उसब मैरगेलछै।”
महज यहुदियामे हेरोदके बेटा अरखिलाउस, आपन बाबुके ठाममे, राज कैररहलछै से बात सुइनके उ ओने जाइले डेरेलै, तब फेनो उ सपनामे परमेस्वरके चेताबनी पाइबके गालिल परदेसमे गेलै।
पिलातस नियाय आसनमे बैठल छेलै, तखनिए ओकर घरबाली ओकरा एहेन कैहके खबर पठेल्कै, “ओइ निरदोस लोकके कुछो नै करियौ! कथिलेकी आइ रात हम सपनामे ओकरे कारन बहुत दुख काटलियै।”
महज ओहै रात परभुके एकटा स्वरगदुत जहलके केबारसब खोइल देल्कै आ बाहर लज्याके कहल्कै,