11 तब उसब घर भितर ढुकलै आ माँ मरियम सङे बालकके देखल्कै। तब ठेङहुनिया द्याके ओकरा गोरलागल्कै आ तब आपन-आपन पेटी खोइलके सोना, सुगन्ध दैबला धुप आ महग अतरके तेल भेटी चरहेल्कै।
येसु खिरिस्टके जलम एहेन परकारसे भेलै- ओकर माँ के मङनी योसेफसङे भेल छेलै, महज ओइसबके बियाह हैसे पैहनैये पबितर आत्माके सक्तिसे मरियमके देहभारी भेलै।
जब येसु भिरके लोकसबसङे बात कैररहल छेलै तखैन ओकर माँ आ भाइसब ओते एलै आ ओकरसे बात करैके लेल बाहरमे असियाल छेलै।
नाहमे रहल चेलासब ओकरा गोर लागैत कहल्कै, “साच्चे अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै।”
जब उसब ओइ तराके फेनो देखल्कै, तब उसब खुसीसे गदगद भेलै।
आ उसब लोकसबसे पुछल्कै, “यहुदीसबके रजा भ्याके जलमल कते छै? हमसब ओकर जलमके थाह दैबला तरा पुरुबमे उगल देखलियै आ ओकरा दरसन करैले एलचियै।”
उसब हबर-दबर गेलै, ओते मरियम, योसेफ दुनुगोरेके सङे देखल्कै आ ओइ बालकके नाइदमे सुतल देखल्कै।
तहै बखत ओहो मरियम आ योसेफके लग आइबके परमेस्वरके बढाइ करल्कै आ बालक येसुके बारेमे यरुसलेमके छुटकाराके लेल रस्ता देखैबला सबके सुनेल्कै।
तब रात-रातके येसु लग आबैबला निकोदेमस ओहो योसेफसङे रहै। उ तेतिस किलो मुर्र आ एलवाके गाछसे फेटके बन्याल मगमग गम्कौवा अतर ल्याके एलै।
तब हम ओकरा आराधना करैले ठेङहुनिया देलियै महज उ हमरा कहल्कै, “तु एहेन नै कर। हम त तोहर आ तोहर भाइ-भैयासबसङे येसुके गबाही दैबला परमेस्वरके सेबक मातरे चियै। परमेस्वरके मातरे आराधना कर। कथिलेत जे कोइ परभु येसु खिरिस्टके गबाही दैछै ओकरा परमेस्वरसे अगमबक्तासबके हौसला दैछै।”
तकरबाद उ चारटा जिबित परानीसब आ चौबिसटा धरमगुरुसब अगा आइबके निहुक गेलै। सबके हाथमे एक-एकटा बजाबैबला बिना आ धुप गमकसे भरल सोनाके बाटी छेलै, उ धुपके गमक त परमेस्वरके लोकसबके चरहाल बिन्ती परथना चियै।