9 हम तोरासबके कहैचियौ, जे आपन घरबालीके बेबिचारके बाहेक औरो कोनो कारनसे छोइरके दोसरसे बियाह करैछै त, उ लोक बेबिचार करैछै।”
तब चेलासब कहल्कै, “अदी घरबला-घरबालीके समबन्ध ऐहेन हैछै त, बरु बियाहे नै करनाइ उचित हेतै।”
येसु ओइसबके कहल्कै, “यि त तोरासबके कठोर मनके कारनसे मोसा आपन घरबालीके छोरपतर दैके अनुमति देनेछेलौ। महज सुरुमे त एहेन नै छेलै।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, जे आपन घरबालीके बेबिचारके अलाबा छोरैछै, उ ओकरा बेबिचारिनी बनाइछै आ जे कोइ छोरल जनिसे बियाह करैछै, उ बेबिचार करैछै।
जे आपन घरबालीके छोइरके दोसरसे बियाह करैबला लोक बेबिचार करैछै आ घरबलासे छोरपतर करल जनिसबसे बियाह करैबला ओहो लोक बेबिचार करैछै।”
बास्तममे तोरासबके बिचमे बेबिचार छौ से बात सुनैचियौ, एहेन बेबिचार त गैर-यहुदीयोसब नै करैछै। कथिलेत तोरासबमेसे एक गोरे आपने सतमहताइरके राखनेचिही।
जाबेतक घरबला जिबित रहैछै ताबेतक घरबाली आपन घरबलाके अधिनमे रहैछै। महज ओकर घरबलाके मिरतु भेलाके बाद उ स्वतन्तर हैछै आ उ जकरसे बियाह करैके मन लागैछै तकरसे बियाह करे सकैछै महज उ बिस्बासी हैकेचाही।
घरबाली आपन देहमे अधिकार नै राखैछै, महज ओकर घरबला राखैछै। तहिनङे घरबला आपन देहमे अधिकार नै राखैछै, महज ओकर घरबाली राखैछै।