5 जे कोइ यि छोट बच्चाके हमर नाममे सुइकार करतै, उ हमरा सुइकार करतै।
जे कोइ यि छोट बच्चा जखा नरम स्वभाबके आपनेके बनाइतै त, से लोक स्वरगके राजमे सबसे पैध हेतै।
“अदी कोइ हमरमे बिस्बास करैबला छोटसे छोट बच्चाके पाप करैले लगाबैछै त, ओकर घेंचमे बरका जाँत बाइन्हके समुन्दरमे फेक देनाइ उचित हेतै।
तैपर रजा ओइसबके जबाफ देतै, ‘साँचे हम तोरासबके कहैचियौ कि, जे कुछो तुसब यि भाइसबमेसे सबसे छोटके लेल करलिही, उ हमरे करलिही।’
तब परभु ओइसबके जबाफ देतै ‘साच्चेके हम तोरासबके कहैचियौ, जे कुछो हमर यि छोट भाइसबके लेल नै करलिही, से हमरो लेल नै करलिही।’
कथिलेत जे माङैछै, उ पाबैछै, जे खोजैछै, ओकरा भेटैछै आ जे ढकढकाइछै, तकरा लेल केबार खुलैछै।
“जे कोइ एहेन यि छोट बच्चाके हमर नाममे सुइकार करतै, उ हमरा सुइकार करतै आ जे कोइ हमरा सुइकार करतै, उ हमरा मातरे नै महज हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै।”
साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, हमर नाममे जे कोइ तोरासबके खिरिस्टके लोक चियै से कैहके एक लोटा पानी पियैले देतौ, उ अबस्ले इनाम पाबतै।”
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे हमर पठेल्हा लोकके सुइकार करैछै, उ हमरा सुइकार करैछै आ जे हमरा सुइकार करैछै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करैछै।”
ओइ बखत हम बिमार छेलियौ त तोरासबके दिकत भेलछेलौ, तैयो तुसब हमरा छि-छि आ दुर-दुर नै करलिही। महज उन्टे तुसब त परमेस्वरके एकटा दुत आ खिरिस्टे जखा हमरा स्वागत करलिही।