12 “तुसब कथी बिचार करैचिही? यदी कोनो लोकके एकसय भेंरा छै आ ओइमेसे एकटा हरेतै त, कि उ निनानब्बेटाके छोइरके उ हरेल्हा भेंराके खोजैले नै जेतै?
कथिलेत तुसब हर्याल भेंरासब जखा छेल्ही, महज आब त तुसब आत्माके चरबाहा आ रक्छा करैबला लग घुइमके एलचिही।
येसु उसबके जबाफ देल्कै, “माइनले कि तोरासबमेसे ककरो एकटा भेंरा बिसरामके दिनमे खधियामे खैस परतौ त कि ओकरा झटसिना पकैरके बाहर नै निकालबिही?
तब येसु मुख पुजारीसब आ अगुवासबके कहल्कै, “हम तोरासबके एकटा खिसा कहैचियौ। उ खिसा सुइनके आपन आपन बिचार कहेसकैचिही। एकटा लोकके दुइ बेटा छेलै। उ लोक पहिन्का बेटा लग ज्याके कहल्कै, ‘बेटा, आइके तु अङगुर बारीमे ज्याके काम करिहे।’
तुसब बुधियार लोक चिही कैहके हम यि बात कहैचियौ, तुसब आपनेसे हमर कहल बातसबके गौरसे बिचार कर।
“खिरिस्टके बारेमे तोरासबके कथी बिचार छौ? उ ककर बेटा चियै?” उसब जबाफ देल्कै, “दाउदके।”
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जब उ हरेल्हा भेंरा भेटेतै त, नै हरेल्हा निनानब्बेटा भेंरासबसे बेसी हरेल्हा एकटा भेंराके लेल खुसी मनाइतै।