1 ओहै बखत चेलासब आइबके येसुके पुछल्कै, “स्वरगके राजमे सबसे बरका के चियै?”
तब येसु एकटा छोट बच्चाके लगमे बोलाइल्कै आ उसबके बिचमे खरा कैरके कहल्कै,
तोरासबमेसे जे सबसे बरका हैके चाहतै, उसब ओकरासबके सेबा करतै।
“आपन पापके खातिर पस्चाताप कर, कथिलेत स्वरगके राज लग आइब गेल्छौ।
“हमरा ‘हे परभु, हे परभु’ कहैबला कोइ नै स्वरगके राजमे ढुकैले सक्तै। महज जे स्वरगमे रहैबला पिताके इक्छा पालन करतै उ लोक मातरे स्वरगके राजमे ढुकैले पाबतै।
एक-दोसरके आपने भाइ-भैया जखा परेम कर। अपनासे बेसी दोसरके आदर कर।
आपन मातरे भलाइ नै खोज आ अहङकारमे कुछ नै कर, महज नमर्तामे एक दोसरके आपनसे बरका ठान।