2 चेलासबके अगारीमे येसुके रुप बदैलगेलै। ओकर चेहरा सुरुज जखा चमके लाग्लै आ ओकर बस्तर उजर चमकदार भ्यागेलै।
छ दिनके बाद येसु आपनसङे पतरुस, याकुब आ ओकर भाइ युहन्नाके ल्याके उच्का पहारमे गेलै।
तब अचानक चेलासब येसुके अगमबक्ता मोसा आ एलियासङे बातचित करैत देखल्कै।
ओकर चेहरा बिजलीके चमक जखा आ ओकर बस्तर हेम जखा उजर छेलै।
ओकर पिन्हल बस्तर एकदमसे उजर आ चमकदार भेलै, पिरथिबीमे एहेन उजर धोइयोके नै हैछै तेहन उजर भेलै।
परथना करैबखत येसुके चेहराके रुप बदल्लै आ ओकर बस्तरसब उजर भ्याके चम्के लाग्लै।
तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ आपनौरके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।
“हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
अइ सन्सारके लोकसब जखा देखासेखी नै कर महज आपन सोच-बिचार परमेस्वरके परिबरतन करैले दहै। तब परमेस्वरके असल, मनपरैबला आ सिध इक्छा कथी चियै से तुसब जानबिही।
तकरबाद हम दोसर सक्तिसाली स्वरगदुतके स्वरगसे निचा उतरैत देखलियै। ओकर देह बादलसे झापल छेलै आ मुरी उपर पैनसोका छेलै। ओकर चेहरा सुरुजके जखा आ ओकर टाङसब आइगके खम्हा जखा छेलै।
तकरबाद हम एकटा बरका उजर सिंहासन आ ओइमे बैठैबलाके देखलियै। पिरथिबी आ अकास ओकर सामनेसे भाग्लै आ उसब फेनसे कहियो नै देखा परलै।