9 यि बात सुइनके हेरोद एकदम दुखित भेलै, महज तैयो उ आपन मेजमानसबके अगामे ख्याल किरियाके कारन उ ओहिनङे करैले हुकुम देल्कै।
ओइ बखत गालिल परदेसके सासक हेरोद येसुके करल असल कामसबके चरचा सुनल्कै।
उ जहलमे युहन्नाके मुरी काटैले लगाइल्कै।
अहै कारन हेरोद युहन्नाके मारैले बिचार करने रहै, महज उ लोकसबसे डराइछेलै, कथिलेत उ लोकसब युहन्नाके अगमबक्ता मानैछेलै।
महज ओकर माँ सिख्या-परह्याके कहैले लगाइल्कै, “बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके मुर हमरा अहै थारीमे दिय।”
रजा हेरोद येसुके बारेमे सुनल्कै, कथिलेत ओकर नामके चरचा चारुदिसन फैल गेलछेलै। कोइ कहैछेलै, “बप्तिस्मा दैबला युहन्ना फेनो मरके जिबित भेल छै, तैल्याके ओकरसे एहेन सक्तिसाली कामसब भ्यारहलछै।”
कथिलेत युहन्ना एक धरमी आ पबितर लोक चियै थाह पाइबके हेरोद ओकरसे डराइछेलै आ सुरक्छित राखने छेलै। युहन्नाके सिक्छा सुनैबखत उ बहुत घबराल छेलै महज तैयो ओकर बातसब धियान द्याके सुनैछेलै।
ओइ बखत रजा एकदम दुखी भेलै आ भोजमे एल्हा मेजमानसबके अगा आपन करल बचन तोरैले नै चाहल्कै।
येसु उसबके कहल्कै, “ज्याके ओइ नरहियाके ऐहन कैहदहै, ‘आइ आ बिहान हम भुतसब निकाल्बौ आ बिमारसबके निक करबौ तब तेसर दिन हमर काज पुरा हेतै।’