52 तब येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “अहै खातिर स्वरगके राजके बारेमे जानकार भेल्हा हरेक धरमगुरु एकटा घरके मालिक जखा चियै, जे आपन बखारीसे लबका आ पुरन्का अनमोल चिजसब निकाइल सकैछै।”
असल लोक आपन मनमे असल बातसे भरल भन्डारसे असले बात निकालैछै आ खराब लोक आपन मनमे खराब बातसे भरल भन्डारसे खराबे बात निकालैछै।
तब येसु चेलासबके पुछल्कै, “कि तुसब यि सब बात बुझलिही?” उसब जबाब देल्कै, “हँ, बुझलियै।”
यि खिसासब सुनेलाके बाद येसु ओतेसे चैलगेलै।
ओहैसे हम तोरासबके लग अगमबक्तासब, बुधिमान लोकसब आ धरमगुरुसब पठेबौ। तोरासबमेसे कतहेक गोरा ओइसबके मारबिही आ कतहेकके कुरूसमे लटकेब्ही आ कतहेक गोरेके सभाघरमे कोरासे पिटबिही आ एक सहरसे दोसर सहर तक खिहारबिही।
तहैलेल जो आ सब देसके लोकसबके चेला बना, पिता, पुतर आ पबितर आत्माके नाममे बप्तिस्मा दहै।
अहै खातिर सबकुछ जानैबला परमेस्वर कहल्कै, ‘हम तोरासबके लगमे अगमबक्ता आ परेरितसबके पठाइबौ। महज ओइमेसे ककरो मारबिही त ककरो सताइबिही।’
आब हम तोरासबके एकटा लबका आग्या दैचियौ, तुसब एक-दोसरके परेम कर। जहिनङ परेम हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके परेम कर।
सोकमे रहितोपरभी हरसमय आनन्दमे रहैचियै। गरिब रहितोपरभी बहुतोके आत्मिकी रुपमे धनिक बनाबैचियै। कुछो नै रहितोपरभी हमरासबसङे सब चिज छै।
हमर लिखल बात परबिही त, हम खिरिस्टके रहसके बात कतहेक बुझने चियै से बात तोरासबके मालुम हेतौ।
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
एह्या बात अपनासबके सङे-सङे सेबा करैबला इपाफरास तोरासबके सिखाइल्कौ। उ हमरासबके बदलामे तोरासबके बिचमे खिरिस्टके सेबा करैबला बिस्बासयोग्य भाइ चियै।
खिरिस्टके बचनसे तोरासबके हिरदय परसस्त कैरके भरल रहे। आपन पुरे ग्यान-बुइधसे एक दोसरके सिखा आ सल्लाह दैबला काम कर। परमेस्वरके हिरदयसे धन्यबाद दैत भजन, इस्तुति-परसन्सा आ आत्मिक गितसब गाब।
अगुवा भरखरके बिस्बासी नै हैकेचाही। नै त अनङ नै हेबे कि उ घमन्डसे फुइलके सैतान जखा दन्डके भागिदार हेबे।
ओकरा सिख्याल बिस्बासयोग्य बचनमे अस्थिर रहेपरतै ताकि औरोकेभी यि सतके बचनसे उत्साह देबेसकेबला हेबे आ यि सतके बचनसे बिरोध करैबलासबके सेहो गल्ती देखाइबला हेबे।