47 “फेन स्वरगके राज त समुन्दरमे माछ मारैले राखल एकटा जाल जखा चियै, जैमे सब परकारके माछ परैछै।
“स्वरगके राज खेतमे गारल बहुत अनमोल धन जखा चियै, जे कोनो एकटा लोकके भेटैछै, ओकरा उ माइटके तरमे गाइरके राखैछै आ खुसी हैत जाइछै आ आपन सब धन-सम्पती बेचके ओहे खेत किनैछै।
जब ओकरा एकटा अनमोल मोती भेटैछै तब ज्याके आपनसङे भेल्हा सब धन-सम्पती बेचके उ मोती किनैछै।
जब जाल भरैछै तकरबाद जाल लगाइबलासब ओकरा ताइनके कातमे आनैछै आ बैठके असल माछसबके डेलीमे राखैछै आ नै निक माछसबके फेक दैछै।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “हमर पछा लाग, आबसे हम तोरासबके माछ नै महज लोकसबके मलाह बनेबौ।”
येसु उसबके कहल्कै, “हमर पछा लाग, आबसे हम तोरासबके माछ नै महज लोकसबके मलाह बनेबौ।”
सिमोन सङे-सङे सझियारमे काम करैबला जब्दियाके बेटासब याकुब आ युहन्ना ओहो छक्के परलै। येसु सिमोनके कहल्कै, “नै डेरा, आबसे तु माछ नै महज लोकसबके पकैरके हमरलग आनबिही।”
हमरमे रहल सब ठाइर जे फल नै फराइछै, उ ओइसबके काइटदैछै आ फल फराइबला सब ठाइर औरो बेसीसे फराबे कैहके उ ओइसबके काटछाट करैछै।
यदी कोइ हमरमे नै रहतै त, उ काटल ठाइर जखा बाहर फेकल जेतै आ उ सुइख जेतै। एहेन ठारइरसबके लोकसब एक ठाममे जम्मा कैरके आइगमे झोइक दैछै आ उ डैहजेतै।
अहैसबके बिचसे झुठ बात सिखाइबला लोकसब निकल्तौ, जे बिस्बासीसबके बहक्याके आपन दिसन तान्तौ।
तोरासबमेसे सत लोकसब चिन्हैके लेल तोरासबमे बेमेल होनाइ जरुरी छै।
हम बेर-बेर यातरा करैबखत लदिसबके, समुन्दरके, सहरके, उजार जगहके आ डाकुसबसे, आपने जाइतके लोकसबसे, आनजातके लोकसबसे, झुठा सिक्छकसबसे आबैबला खतरामे परलियै।
खतनाके यि बात उठलै कथिलेत कतहेक झुठा बिस्बासीसब बहाना कैरके अपनासबके बिस्बासीसबके जेरमे एलै। उसब खिरिस्ट येसुमे भेल अपनासबके स्वतन्तरताके चेवा करैले आ हमरासबके बेबस्थाके दास बनाइले चाहैछेलै।
“सारडिसके मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि बात लिख: ‘जरकसङे सातटा तरा आ परमेस्वरके सातटा आत्माछै, उ अनङ कहैछै। तोहर काम हमरा थाहछै, तुसब आत्मामे जिबित चिही कैहके नाम त चललछौ, महज बास्तममे तुसब आत्मामे कमजोर भ्याके मरल चिही।