2 ओकर कात-करौतमे लोकसबके बरका भिर आइबके जम्मा भ्यागेलै, तब उ नाहमे चहरलै आ लोकसबके भिर तालके कातमे ठार भेलै।
तब हुल के हुल लोकसबके भिर ओकरलग एलै। उसब आपनसङे लुल्हा, नेङरा, अन्हरा, बौका आ औरो बहुते किसिमके बिमारीसबके येसुके चरनमे आइनके राइख देल्कै, तब येसु ओइसबके निक कैरदेल्कै।
तब गालिल परदेस, डेकापोलिस इलाका, यरुसलेम सहर, यहुदिया परदेस आ यरदन लदीके ओइ पारसे बहौत बरका भिर ओकर पछा लाग्लै।
येसु फेनो गालिल तालके कातमे सिक्छा देबे लाग्लै। ओकर चारुकात लोकसबके भिर अतहेक बेसी छेलै कि उ तालमे भेल एकटा नाहमे चहैरके ओइमे बैठलै। ओते लोकसब तालके कातमे बैठल रहै।
तै मेसे एकटा नाह सिमोनके रहै। येसु सिमोनके नाहमे चहरलै आ कहल्कै, “नाह कन्हिक अगा दिसन ल्याचल।” तब नाहेमे बैठके लोकसबके सिक्छा देबे लाग्लै।