7 तब बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके चेलासब गेलाकेबाद येसु भिरके लोकसबके युहन्नाके बारेमे कहल्कै, “तुसब उजार जगहमे कथी देखे गेल छेल्ही? कि हबामे हिलैत नरकट के?
तब कथी देखैले गेल छेल्ही? कि असल-असल बस्तर पिन्हल लोकके? असल-असल बस्तर पिन्हैबलासब त राजदरबारमे रहैछै।
नै त उ सरल नरकटके तोरतै आ नै मिरी-मिरी बरैबला डिबियाके बुतेतै। अन्तमे उ नियाइके जितमे पुगेतै।
युहन्नाके बप्तिस्मा दैके अधिकार परमेस्वरसे पाबने छेलै, कि मानबसे?” तब उसब आपनेमे छलफल करे लाग्लै, “अदी ‘स्वरगसे’ कहबै त ‘तुसब ओकर उपर कथिले बिस्बास नै करलिही’ कैहके कहतै।
यरुसलेम, सब यहुदिया परदेस आ यरदन लदीके लग-पासमे रहल सब इलाकाके लोकसब ओकरलग एलै,
अइ खातिर होसियार रह, सुनल बातसबके ध्यान दहै कथिलेत जकरसङे छै, ओकरा औरो देतौ आ जकरसङे नै छै, जे कोइ सङे छै कहके ठानैछै ओकरसे भेल्हो छिनलेतौ।”
येसु पछामाथे घुइमके ताकल्कै त ओइसबके आपन पछा लागल देखके पुछल्कै, “तुसब कथी ताकैचिही?” उसब जबाब देल्कै, “रब्बी, (जकर अरथ गुरु जी चियै) अहाँ कते रहैचियै?”
युहन्ना त बरैबला आ चम्कैबला चिरखा छेलै आ कुछ समयतलिक ओइके इजोतमे आनन्द मनाइले राजी भेल्ही।
तब अपनासब चलाक लोकसबके झुठा सिक्छाके हबासे जने ल्याजेतौ तने जाइबला छोट धिया-पुता जखा नै हो। ओइसबके बन्याल जाल झेलसे दोसरके बहकाइछै।
महज माङैत खिना सङका नै कैरके बिस्बासके साथ माङे। सङका करैबला लोक समुन्दरके हिलकोर जखाछै जे हबासे उठैछै आ खसैछै।