जब भिरके येसु आपन दिसन आबैत देखल्कै तब ओइ भुत आत्माके कहल्कै, “ए बौक आ बैहर करैबला आत्मा, हम तोरा आग्या करैचियौ ओकरसे निकैलके चैल जो आ फेनो ओकरमे कहियो नै ढुक।”
महज यदी हम पिताके काम करैचियै तबो तुसब हमरा बिस्बास नै करैचिही त हमर करलाहा अजगुतके कामसबमे त बिस्बास कर। तब तुसब जानबिही आ बुझबिही, कि पिता हमरमे छै आ हम पितामे चियै।”
“महज युहन्नाके देल गबाहीयोसे बरका गबाही हमरलग छै। कथिलेत जे काम पुरा करैके लेल पिता हमरा देने छै, उ काम हम करैचियै आ ओह्या कामसब हमर बारेमे गबाही दैछै कि, पिते हमरा पठाइने छै।