30 कथिलेत हमर जुवा असान छै आ जे भारी हम बोकाइबौ उ हलुक छै।”
ओहै समयमे येसु आपन चेलासबसङे पबितर बिसरामके दिनमे गहुम खेत हैत जाइछेलै। ओकर चेलासबके भुख लाग्लछेलै तब उसब गहुमके सिंससब तोइरके हाथसे मिरके खाइले लाग्लै।
“हम तोरासबके यि बात अहै खातिर कहनेचियौ, कि हमरमे रैहके तोरासबके सान्ती हेबे। सन्सारमे तोरासबके सङकट हेतौ, महज साहस कर, हम सन्सारके जितलेने चियै।”
तहै खातिर बिस्बासीके कन्हामे यि जुवा राइखके कथिले परमेस्वरके परिक्छा करैचिही? यि जुवा नै त अपनासबके पिता-पुरखा नै त आपनेसब बोके सक्लियै।
पबितर आत्मा आ हमरासबके यि उचित लाग्लै कि पालन करैबला मुख बातके अलाबा औरो कोनो बोझ नै हेबे।
अपनासबके अखैन भोगल दुख पछा आबैबला बरका अनन्तके सुख समैझके त साँचे यि कुछो नै चियै।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
महज तुसब पबितर आत्माके अगुवाइसे चलैचिही त, तुसब बेबस्थाके अधिनमे नै चिही।
खिरिस्टके देल सक्तीसे हम सबचिज करैले सकैचियै।
परमेस्वरसे परेम करनाइके मतलब ओकर आग्यासबके पालन करनाइ चियै। ओकर आग्यासब हमरासबके लेल भैरगर नै छै।