13 कथिलेत बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ सब अगमबक्तासब परमेस्वरके राजके बारेमे भबिसबानी करने रहै।
बप्तिस्मा दैबला युहन्नेके बखतसे अखुनतक स्वरगके राज जोर-तोरसे अगा बैढ़ रहल छै, तब जबरदस्ती करैबला लोकसब स्वरगके राजके बिरोध कैररहलछै।
यदी तुबस यि बात सुइकार करैले तैयार चिही त सुन, युहन्ने एलिया चियौ, जे फेनो आबैबला छै।
तब येसु ओइसबके मोसाके किताबसब आ सब अगमबक्तासबसे सुरु कैरके, धरमसास्तरमे आपन बारेमे लिखल सबबातसबके अरथ असलसे खोइलके बुझादेल्कै।
आ कहल्कै, “तोरासबसङे रहैतकाल हमर बोलल्हा बचन एहा चियै, अरथात मोसाके बेबस्था, अगमबक्ताके किताबसब आ भजनसङगरहके किताबमे हमर बारेमे लिखलाहा सबबातसब पुरा हैए परतै।”
महज यरुसलेमके बासि आ ओकरौरके सासकसब मुक्तीदाता येसुके नै चिन्हल्कै। अगमबक्तासबके धरमसास्तरमे लिखल बात हरेक बिसराम दिनमे उसब परहल्कै तैयो उसब नै बुझल्कै आ ओकरा मिरतुदन्ड द्याके उ बचन पुरा करल्कै।
महज अखुन बेबस्था पालन नै कैरके परमेस्वर लोकसबके धरमी ठहराइबला बाट देखाइनेछै। अकर बारेमे बेबस्थाके किताब आ अगमबक्तासब गबाही देनेछै।