10 यि ओह्या चियै जकर बारेमे पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, ‘देख, हम आपन दुतके तोहर अगा-अगा पठाइबौ जे तोहर खातिर रस्ता तयार करतौ।’
“हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, बप्तिस्मा दैबला युहन्नासे बरका कोइ नै कहियो जलम लेनेछै, तैयो स्वरगके राजमे जे सबसे छोट छै, से कोइ युहन्नासे बरका छै।
“उ जे आबैबला छै, से अहै चियै, कि हमसब दोसरके पेरा ताकु?”
युहन्ना त ओह्या लोक चियै, जकर बिसयमे यसैया अगमबक्ता एहेन कहने छेलै: उजार जगहमे एक गोरा जोरसे हल्ला कैरके कैहरहल छै, ‘परभु आबैबला रस्ता दुरुस कर, उ चलैबला रस्तासब सोझ कर।’”
यसैया अगमबक्ताके किताबमे एहेन लिखल छै, “देख, हम आपन दुतके तोहर अगा-अगा पठाइबौ, जे तोहर लेल रस्ता तयार करतौ।”
हे हमर बेटा, तु सरबोच परमेस्वरके अगमबक्ता कहाइबिही। कथिलेत तु परभुके अगा-अगा ओकर रस्ता बनाइले जेब्ही।
युहन्ना कहल्कै, “यसैया अगमबक्ता कहने रहै, ‘परभुके आबैबला रस्ता दुरुस कर’ कैहके हम उजार जगहमे जोरसे कहैबलाके एकटा अबाज चियै।”