9 तुसब आपन बटुवामे सोना, चानी या तामके पैसो-कौरी नै बोक।
रोगी-बिमारीसबके निक कर, मरलहासबके जिबित कर, कोढि-कुस्टीसबके सुध कर, भुत आत्मासबके निकाल। जहिनङे तुसब मङनिएमे पाबलिही तहिनङे मङनिएमे दहै।
येसु आपन बारहो चेलासबके आपनलग बोलाइल्कै आ ओइसबके भुत आत्मासब निकालैके सक्ती आ अधिकारो दके दुइ-दुइ गोरा कैरके परचार करैले पठेल्कै।
येसु चेलासबके कहल्कै, “जब हम तोरौरके झोरा, जुता आ पैसे बेगर पठाइने छेलियौ, कि तोरौरके कोनो चिजके अभाब भेलौ?” उसब कहल्कै, “नै भेलै।”